Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

घनकुबेर एडीएम आ पत्नी स्वातीक बैंक खाता होयत सील

Avatar
By Samadiya Mithila
September 29, 2026 2 Min Read
0

 

निगरानी छापामारी मे करोड़ोक संपत्तिक खुलासा

 

पटना। निगरानी अन्वेषण ब्यूरो पटना के एडीएम (आपूर्ति) रविंद्र कुमार दिवाकर आ हुनकर पत्नी, दानापुरक अवर निबंधक कुमारी स्वातीक आधा दर्जन सं बेसी बैंक खाता सील करबाक कारबाइ शुरू कए देलक अछि। मंगलदिन ब्यूरोक आधिकारिक सूत्र सभ कहलनि जे आरोपित सभक जमीनक कागजातक जांच कयल गेल अछि। संबंधित निबंधन कार्यालय सं आरोपित सभक अन्य संपत्तिक जानकारी सेहो जुटाओल जा रहल अछि।

बतबैत चली जे दुनू पदाधिकारीक विरुद्ध सोमदिन आय सं बेसी संपत्ति अर्जित करबाक मामिला दर्ज कयल गेल छल। एकर बाद हुनका सभक ठिकाना पर छापामारी कयल गेल। ई छापामारी पटना आ बेगूसराय स्थित हुनका सभक आवास पर भेल छल। छापामारीक दौरान 1 करोड़ सं बेसीक संपत्तिक जानकारी भेटल अछि।

ओतहि भारी मात्रा मे नकदी, गहना आ निवेश सं जुड़ल कागजात बरामद भेल अछि। एहि सभक सत्यापन कयल जा रहल अछि। पटनाक एडीएम आपूर्ति रविंद्र कुमार दिवाकर आ हुनकर अवर निबंधक पत्नी कुमारी स्वाति पर भारी मात्रा मे अवैध कमाइ करबाक आरोप अछि। छापामारी मे पटनाक रूपसपुर आ बेगूसरायक पोखरिया मोहल्ला स्थित आवास सं करीब 80 लाख टाका नकद, चारि दर्जन ब्रांडेड महंग घड़ी, 50 लाख टाका सं बेसीक गहना आ निवेश सं जुड़ल भारी मात्रा मे कागजात बरामद भेल अछि।

पदाधिकारी दंपती पर कतेको बेनामी आ अघोषित संपत्ति अर्जित करबाक आरोप सेहो अछि। निगरानी टीम एहि संपत्ति सभक सत्यापन कए रहल अछि। बिहार प्रशासनिक सेवा (बिप्रसे)क अधिकारी रविंद्र दिवाकर वर्तमान मे पटना जिला मे एडीएम (अपर जिला दंडाधिकारी) आपूर्तिक पद पर छथि, जखनकि हुनकर पत्नी दानापुर अवर निबंधन कार्यालय मे निबंधक पद पर तैनात छथि।

निगरानी ब्यूरोक अनुसार, ई छापामारी पटना मे बेली रोडक रूपसपुर स्थित कश्यप ग्रीन सिटी आ बेगूसराय स्थित हुनकर पैतृक आवास पर कयल गेल। कश्यप ग्रीन सिटीक ब्लॉक ए मे चारिम तल्ला पर पति-पत्नीक नाम पर दू फ्लैट (401-402) अछि, जेकरा जोड़ि कए सजावट कराओल जा रहल अछि। एहि अपार्टमेंटक निचला तल्ला पर हुनका सभक किरायाक आवास मे टीम जांच कयलक।

जांच मे पटना स्थित आवास सं 70 लाख टाका सं बेसी, जखनकि बेगूसराय स्थित आवास सं 9 लाख टाका भेटल अछि।

फुलवारीशरीफ मे 2021 मे पति-पत्नीक नाम पर खरीदल गेल करीब 7.8 डिसमिल जमीन, पिताक नाम पर खरीदल गेल 3.9 डिसमिल जमीन, बेगूसरायक बलिया मे 20 डिसमिल जमीन आ बेगूसराय शहर मे करीब 3.9 डिसमिल जमीन खरीदबाक कागजात भेटल अछि। पटना आ बेगूसरायक एहि अचल संपत्ति सभक कीमत करीब 3 करोड़ टाका आंकलन कयल गेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithilaबिहार समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

बिहार एमएलसी चुनाव लए सभ पार्टी खोललक अपन पत्ता

Next

बेगूसराय मे हथियारक दम पर महिला सं दुष्कर्म, अश्लील वीडियो बना वायरल करबाक आरोप

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech