Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहारमिथिला

31 दिसंबर 2028 धरि भव्य मंदिर मे स्थापित हेती माता जानकी : मुख्यमंत्री

Avatar
By Samadiya Mithila
August 8, 2026 2 Min Read
0

 

 

  • नवनिर्मित अस्थायी काष्ठ मंडपम स्थापित कएल गेलनि सीता आ रामक प्रतिमा

  • सीएम कहलनि, पुनौराधामक विकास कें भेटि रहल नव गति

 

सीतामढ़ी, समदिया

मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी माता जानकीक जन्मस्थली सीतामढ़ी स्थित पुनौराधाम मंदिर मे पूजा-अर्चना कएलनि। मुख्यमंत्री वैदिक मंत्रोच्चारक बीच विधि-विधानपूर्वक माता जानकीक पूजा कए राज्यक सुख-शांति आ समृद्धिक मंगलकामना कएलनि। एहि दौरान पुनौराधाम मंदिर परिसर स्थित नवनिर्मित अस्थायी काष्ठ मंडपम मे भगवान श्रीराम आ माता सीताक प्रतिमा सेहो स्थापित कएल गेल।

मुख्यमंत्री अधिकारी सभ सं माता सीताक जन्मस्थली पुनौराधाम मे निर्माणाधीन भव्य माता सीता मंदिर परिसर मे चलि रहल निर्माण कार्यक प्रगतिक अद्यतन स्थिति संबंधी जानकारी लेलनि। अधिकारी सभ प्रस्तावित माता जानकी मंदिरक मॉडल देखबैत मुख्यमंत्री कें मंदिर आ परकोटा, यज्ञ मंडप, अनुष्ठान मंडप, पीठाधीश्वर निवास, संग्रहालय, ऑडिटोरियम, महिला हाट सहित अन्य प्रस्तावित भवन आ श्रद्धालु सभ लेल उपलब्ध कराओल जाएबला सुविधाक संबंध मे विस्तार पूर्वक जानकारी देलनि।

एहि अवसर पर मुख्यमंत्री कहलनि जे 31 दिसंबर 2028 धरि मंदिरक निर्माण कार्य पूरा कए माता जानकी कें भव्य मंदिर मे स्थापित कए देल जायत। पुनौराधाम माता जानकीक जन्मभूमि होयबाक कारण बिहारक धार्मिक आ सांस्कृतिक विरासतक अत्यंत महत्वपूर्ण केंद्र अछि। एहि पवित्र धामक समग्र विकास राज्य सरकारक प्राथमिकता अछि।

मुख्यमंत्री कहलनि जे पुनौराधामक विकास सं श्रद्धालु सभ कें नीक सुविधा उपलब्ध होयत। एकर संगहि धार्मिक आ आध्यात्मिक पर्यटन कें नव गति भेटत। क्षेत्र मे स्थानीय स्तर पर रोजगारक अवसर आ आर्थिक गतिविधि सेहो बढ़त। एहि अवसर पर पैघ संख्या मे उपस्थित लोक सभ मुख्यमंत्रीक जोरदार स्वागत कएलनि। मुख्यमंत्री हाथ हिला कए सभक अभिवादन स्वीकार कएलनि। मुख्यमंत्री पुनौराधाम मंदिर परिसर मे मिथिला कला आ सिक्की कला पर आधारित शिल्प प्रदर्शनीक सेहो अवलोकन कएलनि। हुनका स्थानीय कला आ शिल्पक विविधता तथा कलाकार सभ द्वारा तैयार कएल गेल कलाकृतिक संबंध मे जानकारी देल गेल।

पुनौराधाम मंदिर प्रबंधनक दिस सं मुख्यमंत्री कें पुष्पगुच्छ, अंगवस्त्र आ प्रतीक चिह्न भेंट कए स्वागत कएल गेल। एहि अवसर पर केंद्रीय मंत्री मत्स्य पालन, पशुपालन एवं डेयरी तथा पंचायती राज राजीव रंजन सिंह उर्फ ललन सिंह, उद्योग एवं खेल तथा सीतामढ़ी जिलाक प्रभारी मंत्री श्रेयसी सिंह, डेयरी, मत्स्य एवं पशु संसाधन मंत्री नंद किशोर राम, पर्यटन मंत्री केदार प्रसाद गुप्ता, समाज कल्याण मंत्री श्वेता गुप्ता, सांसद देवेश चंद्र ठाकुर, विधायक बैद्यनाथ प्रसाद, गायत्री देवी, सुनील कुमार पिंटू, पंकज कुमार मिश्रा, नागेंद्र राउत, अनिल कुमार, रामेश्वर कुमार महतो, अमित कुमार सहित मुख्यमंत्रीक प्रधान सचिव दीपक कुमार, बिहारक मुख्य सचिव प्रत्यय अमृत, पुलिस महानिदेशक विनय कुमार, मुख्यमंत्रीक सचिव लोकेश कुमार सिंह, तिरहुत प्रमंडलक आयुक्त गिरिवर दयाल सिंह, तिरहुत प्रक्षेत्रक पुलिस उप-महानिरीक्षक चंदन कुशवाहा, जिलाधिकारी रिची पांडेय, पुलिस अधीक्षक अमित रंजन सहित मंदिर प्रबंधन सं जुड़ल गणमान्य व्यक्ति आ पैघ संख्या मे श्रद्धालु उपस्थित छलाह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

पुनौराधाम मंदिरमाता जानकीसम्राट चौधरीसीएम
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

जेपी नड्डा सं भेट केलनि निशांत कुमार, स्वास्थ्य व्यवस्था मजबूत बनेबाक विषय पर भेल विस्तृत चर्चा

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • दुस्साहस! दरभंगाक मुरेठ मे महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा कएल गेल क्षतिग्रस्त, मिथिला मे आक्रोश
  • समुद्र मे भारतीय युद्धपोत सं टकरायल पाकिस्तानी नौसेनाक जहाज, भारत राजनयिक कें केलक तलब
  • स्वच्छ आ प्रदूषणमुक्त वातावरण लेल घोघरडीहा मे जागरूकता अभियान
  • 20 सितंबर धरि छाएल रहत बादल, हल्का सं मध्यम बारिशक संभावना; किसानक लेल जारी भेल कृषि सलाह
  • भवन निर्माण विभागक अधीक्षण अभियंताक घर विजिलेंसक छापा

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • दुस्साहस! दरभंगाक मुरेठ मे महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा कएल गेल क्षतिग्रस्त, मिथिला मे आक्रोश
  • समुद्र मे भारतीय युद्धपोत सं टकरायल पाकिस्तानी नौसेनाक जहाज, भारत राजनयिक कें केलक तलब
  • स्वच्छ आ प्रदूषणमुक्त वातावरण लेल घोघरडीहा मे जागरूकता अभियान
  • 20 सितंबर धरि छाएल रहत बादल, हल्का सं मध्यम बारिशक संभावना; किसानक लेल जारी भेल कृषि सलाह
  • भवन निर्माण विभागक अधीक्षण अभियंताक घर विजिलेंसक छापा

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech