एनडीए नेता चिराग आ कुशवाहा मंगलनि सीईसी ज्ञानेश कुमार सं स्पष्टीकरण
- कुशवाहा कहलनि, बहुत उलझन पैदा भए गेल अछि
-
चिराग कहलनि, कम नहि होमक चाही चुनावी व्यवस्था पर लोकक भरोस
पटना, समदिया
मतदाता सूचीक विशेष गहन पुनरीक्षण (एसआइआर) कें लए चुनाव आयोगक भीतर कथित मतभेदक रिपोर्ट सामने एलाक बाद राजनीतिक बहस तेज भए गेल अछि। विपक्ष द्वारा मुख्य निर्वाचन आयुक्त ज्ञानेश कुमार पर सवाल उठाओल जा रहल अछि। आब एनडीएक नेता सेहो आयोग सं स्थिति स्पष्ट करबाक मांग कयलनि अछि।
लोजपा (रामविलास)क अध्यक्ष आ केंद्रीय मंत्री चिराग पासवानक बाद राष्ट्रीय लोक मोर्चाक अध्यक्ष उपेंद्र कुशवाहा सेहो कहलनि जे एसआइआर विवादक कारण आम लोक मे उलझन उत्पन्न भए गेल अछि। हुनकर कहब अछि जे चुनाव आयोग कें अविलंब वास्तविक स्थिति स्पष्ट करबाक चाही, जाहि सं लोकक भ्रम दूर भए सकय। चिराग पासवान सेहो सीईसी सं स्पष्टीकरणक मांग केलनि। चिराग पासवान कहलनि जे जं लोकक चुनावी व्यवस्था पर भरोस कम होयत तं ई लोकतंत्रक लेल नीक संकेत नहि होयत। ताहि लेल आयोग कें अपन पक्ष मजबूती सं जनता सामने रखबाक चाही।
विपक्ष द इंडियन एक्सप्रेसक रिपोर्टक हवाला दैत एसआइआरक प्रक्रिया पर गंभीर आरोप लगा रहल अछि। दोसर दिस, चुनाव आयोगक सूत्रक कहब अछि जे एसआइआर सहित महत्वपूर्ण निर्णय सर्वसम्मति सं लेल गेल छल। आयोगक अनुसार, मतभेदक बातक बादो निर्णय प्रक्रिया संस्थागत छल।