सहरसा मे पूजाक प्रसाद खेला सं 100 सं बेसी लोक बीमार, गाम पहुंचल स्वास्थ्य विभागक टीम
सहरसा। प्रखंड क्षेत्रक सरडीहा पंचायतक सरडीहा गाम स्थित मध्य टोल मे सत्यनारायण भगवानक पूजाक प्रसाद ग्रहण कएलाक बाद 100 सं बेसी लोक बीमार पड़ि गेलाह। एक संग पैघ संख्या मे लोकक स्वास्थ्य बिगड़ला सं गाम मे अफरातफरीक स्थिति उत्पन्न भए गेल। महिला, पुरुष आ बच्चा सभ मे उल्टी-दस्त आ कमजोरीक शिकायत देखल गेल। घटना संबंधी सूचना भेटितहि स्वास्थ्य विभागक टीम गाम पहुंचि बीमार लोक सभक उपचार शुरू कएलक। चिकित्सक सभक अनुसार सभ रोगी फिलहाल खतरा सं बाहर छथि आ स्थिति नियंत्रण मे अछि।
जानकारीक अनुसार, सरडीहा गामक मध्य टोल मे बुद्ध पूर्णिमाक अवसर पर सत्यनारायण भगवानक पूजाक आयोजन कएल गेल छल। पूजा-अर्चनाक बाद पैघ संख्या मे ग्रामीण सभ महाप्रसाद ग्रहण कएलनि। प्रसाद ग्रहण कएलाक अगिला दिन सं कतेको लोकक स्वास्थ्य बिगड़य लागल। शुरूआत मे ग्रामीण सभ एकरा सामान्य बीमारी बुझि स्थानीय स्तर पर इलाज करौलनि, मुदा धीरे-धीरे उल्टी आ दस्त सं पीड़ित लोकक संख्या बढ़ैत गेल।
तीन दिनक भीतर दर्जनों लोक बीमार पड़ि गेलाह आ लगभग प्रत्येक परिवार सं कोनो ने कोनो सदस्यक स्वास्थ्य खराब होएबाक सूचना सामने आबय लागल। एहि सं ग्रामीण सभक बीच भय आ चिंता व्याप्त भए गेल। ग्रामीण सभक अनुसार अधिकांश रोगी सभ केँ उल्टी, दस्त आ अत्यधिक कमजोरीक शिकायत छल।
स्थिति गंभीर होइत देखि स्वास्थ्य विभाग केँ सूचना देल गेल। सूचना भेटितहि चिकित्सकीय टीम गाम पहुंचि रोगी सभक जांच शुरू कएलक। आवश्यकतानुसार दवाइ उपलब्ध कराओल गेल आ रोगी सभक स्वास्थ्य पर लगातार नजरि राखल जा रहल अछि। स्वास्थ्य विभागक टीम बेमारीक कारणक सेहो जांच कए रहल अछि, जाहि सं स्पष्ट भए सकय जे एकर वास्तविक कारण की अछि। फिलहाल स्वास्थ्य विभागक अनुसार स्थिति नियंत्रण मे अछि आ सभ रोगी सुरक्षित छथि।