Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

सुधाकर सिंह कहलनि- मुख्यमंत्री पर सेहो एफआईआर होबाक चाही

Avatar
By Samadiya Mithila
September 25, 2026 3 Min Read
0

 

जमुई पीड़िता मामिला पर घेरलनि, स्टूडेंट क्रेडिट कार्डक पाइक मुद्दा आ एसआईआर पर सरकार के घेरलनि

पटना।

राजद सांसद सुधाकर सिंह बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजनाक अंतर्गत छात्र सभके राशि जारी नहि करबाक आरोप लगबैत राज्य सरकार पर निशाना साधलनि।

ओ कहलनि जे प्रत्येक साल सवा लाख सं बेसी छात्र स्टूडेंट क्रेडिट कार्डक मदति सं बिहार सं बाहर जा उच्च शिक्षा हासिल करैत छथि।

हुनकर कहब छलनि जे ई योजना एहि लेल शुरू कयल गेल छल, किएक तं बिहार मे तकनीकी आ उच्च शिक्षा लेल पर्याप्त संस्थान आ आधारभूत संरचना उपलब्ध नहि छल।

सुधाकर सिंह आरोप लगौलनि जे सरकार आब स्टूडेंट क्रेडिट कार्डक राशि जारी नहि कय रहल अछि। एहि कारणे बहुत रास छात्र परीक्षा नहि द’ पाबि रहल छथि आ जिनकर परीक्षा भए चुकल अछि, हुनकर परिणाम सेहो रोकबाक स्थिति बनि रहल अछि। ओ कहलनि जे सरकार के योजनाक अंतर्गत बकाया राशि शीघ्र जारी करबाक चाही अथवा स्पष्ट करबाक चाही जे ओकरा लग छात्र सभक शिक्षा लेल पैसा नहि अछि।

हालांकि, सरकार दिस सं अगस्त मे स्पष्ट कयल गेल छल जे स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजनाक अंतर्गत उच्च शिक्षा लेल 4 लाख रुपैया तकक सुविधा पहिने जकां जारी रहत। वित्तीय वर्ष 2026-27 मे योजनाक लेल 950 करोड़ रुपैया खर्च करबाक स्वीकृति देल गेल छल, ई जानकारी सेहो देल गेल छल।

राजद सांसद सरकारक प्राथमिकता पर सवाल उठबैत कहलनि जे पढ़ि-लिखि राज्य आ देश के आगू बढ़य बला युवा सभके एहि तरहक स्थिति मे परेशानीक सामना करए पड़ि रहल अछि।

ओ कहलनि जे सरकार राज्यक लगभग सभ सड़क पर टोल वसूलि रहल अछि, मुदा छात्र सभक पढ़ाइक लेल राशि जारी नहि कय रहल अछि। सुधाकर सिंह कहलनि जे जं छात्र सभ अपन पूरा पढ़ाइ नहि क’ पाओताह तं हुनका सभक सोझा गंभीर संकट ठाढ़ भए जाएत।

सुधाकर सिंह एसआईआर के लए सेहो अपन बात रखलनि। ओ कहलनि जे एहि मामिला मे ओ सुप्रीम कोर्ट मे याचिका दायर कयने छथि, मुदा हुनकर बात नहि सुनल गेल। ओ मुख्य निर्वाचन आयुक्त ज्ञानेश कुमार पर निशाना साधैत कहलनि जे हुनकर इस्तीफा धरि आंदोलन जारी रहत।

ओ कहलनि जे आंदोलन कोर्ट-कचहरी अथवा संसदक भीतर नहि, बल्कि सड़क पर होयत। ओ दावा कयलनि जे ज्ञानेश कुमारक इस्तीफा धरि आंदोलन जारी राखल जाएत। एसआईआर के लए विपक्षी दल सभक दिस सं मुख्य निर्वाचन आयुक्तक विरुद्ध लगातार विरोध दर्ज कराओल जा रहल अछि।

सुधाकर सिंह बिहारक अलग-अलग जिला सभ सं सामने आबि रहल वायरल वीडियो के लए सेहो सरकार पर हमला कयलनि। ओ कहलनि जे जखन तक कुंदन कृष्णन जेकां पुलिस अधिकारी सभ पर कारबाइ नहि होयत, तखन तक एहन घटना होइत रहत। ओ आरोप लगौलनि जे माफिया आ अधिकारी सभक गठजोड़ समाप्त कयने बिना एहि तरहक घटना पर रोक नहि लगाओल जा सकैत अछि।

राजद सांसद जमुईक नाबालिग पीड़िता आ हुनकर परिवारक तस्वीर मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक सोशल मीडिया अकाउंट पर साझा कयल जेबाक मुद्दा सेहो उठौलनि। ओ आरोप लगौलनि जे तस्वीर मे पीड़िताक परिवारक पहचान स्पष्ट छल आ एहि मामिला मे मुख्यमंत्रीक विरुद्ध सेहो एफआईआर होबाक चाही।

जमुई मामिला मे मुख्यमंत्री 24 सितंबर के पीड़िता आ हुनकर परिजन सभ सं भेंट कय एक महीना मे स्पीडी ट्रायल कए दोषी सभके सजा दिआयबाक भरोसा देने छलाह। ओतहि, विपक्ष मुख्यमंत्रीक सोशल मीडिया पोस्ट के लए पीड़िताक पहचान उजागर होयबाक आरोप लगा रहल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNewsबिहार समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

तेजस्वी यादवक आरोप- ‘सीएम सम्राट जमुई पीड़िताक पहचान उजागर कय पॉक्सो एक्टक उल्लंघन कयलनि’

Next

बिहारक डीजीपी विनय कुमार बनताह मुख्य सूचना आयुक्त, सम्राट-तेजस्वीक बैठक मे सहमति

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech