एहि पार मिथिला, ओहि पार मिथिलाक संबंध आर होयत प्रगाढ़, नेपाल मे भारतीय बेटी कें नागरिकता भेटब भेल आसान
नव नियमक अंतर्गत देबय पड़त 5 जरूरी दस्तावेज अररिया, समदिया दू देशक प्रशासन एकटा महत्वपूर्ण पहल कएलक अछि। सीमा पार विवाहक बाद महिलाक नागरिकता आ जरूरी पहचान पत्र बनबैत समय होमयबला जटिलता दूर करबाक लेल भारत-नेपाल समन्वय समितिक बैठक मे विस्तृत सहमति बनल अछि।…