भागलपुर मे गंगा नदी मे नाव पलटल, छह मजदूर लापता
भागलपुर। बिहारक भागलपुर मे बुधदिन गंगा नदी मे बाढ़ि सं बचाव आ कटाव-रोधी काज मे लागल मजदूर सभ कें लए जा रहल एकटा नाव पलटि गेल, जाहि सं छह मजदूर लापता भ’ गेलाह। घटना भागलपुरक नवगछिया पुलिस जिलाक खरीक प्रखंडक अंतर्गत राघोपुर पंचायत क्षेत्र मे भेल। कहल…