Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

राजनीति

के छथि दीपक म्हस्के? संभारताह भाजपा आईटी सेलक कमान

Avatar
By Samadiya Mithila
August 17, 2026 2 Min Read
0

 

नई दिल्ली। भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) 2027क चुनाव सं पहिने राष्ट्रीय अध्यक्ष नितिन नवीनक नेतृत्व मे नव संगठनात्मक टीमक घोषणा कएलक अछि। एहि फेरबदल मे दीपक म्हस्के कें आईटी सेल केर प्रमुखक जिम्मेदारी देल गेल अछि। ओतहि करीब 11 वर्ष सं भाजपा आईटी सेल केर प्रमुख रहल अमित मालवीय कें एहि पद सं हटा देल गेल अछि। प्रीति गांधी कें आईटी सेल केर सह-संयोजक नियुक्त कएल गेल अछि।

आब भाजपा आईटी सेल केर प्रभार दीपक म्हस्केक हाथ मे रहत। दीपक म्हस्के छत्तीसगढ़ सं जुड़ल भाजपाक नेता छथि। ओ भाजपा केर प्रदेश प्रवक्ता सेहो रहल छथि। पार्टी आ संगठन मे मीडिया सं जुड़ल गतिविधि मे सेहो ओ सक्रिय रहल छथि।

हालहि मे हुनका छत्तीसगढ़ मेडिकल सर्विसेज कॉरपोरेशनक अध्यक्ष बनाओल गेल छल। पार्टीक डिजिटल अभियान आ संगठनक गतिविधि कें लोक धरि पहुंचेबाक काज मे छत्तीसगढ़ मे दीपक म्हस्के सक्रिय रहल छथि।

केमिस्ट्री प्रोफेसर सं राजनीतिक संगठन धरि

दीपक म्हस्के अपन करियरक शुरुआत केमिस्ट्री प्रोफेसरक रूप मे केने छलाह। ओ खेती आ बागवानीक क्षेत्र मे सेहो काज केने छथि। चुनावी आंकड़ाक विश्लेषण, सरकारी कंपनीक बोर्ड मे पद आ तकर बाद छत्तीसगढ़ सरकार मे वरिष्ठ भूमिका मे सेहो काज केने छथि।

पार्टीक डिजिटल अभियान आ सोशल मीडिया सं जुड़ल गतिविधि मे हुनकर सक्रियता कें देखैत आब भाजपा आईटी सेल केर महत्वपूर्ण जिम्मेदारी हुनका देल गेल अछि।

अमित मालवीय कें 11 वर्ष बाद हटाओल गेल

भाजपा आईटी सेल केर प्रमुखक रूप मे करीब 11 वर्ष धरि काज कएनिहार अमित मालवीय कें पद सं हटा देल गेल अछि। हुनकर स्थान पर दीपक म्हस्के कें जिम्मेदारी देल गेल अछि। प्रीति गांधी कें आईटी सेल केर सह-संयोजक बनाओल गेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

भाजपा 2027क चुनाव सं पहिने आईटी सेल केर जिम्मेदारी दीपक म्हस्के कें देलक। करीब 11 वर्ष बाद अमित मालवीय कें पद सं हटाओल गेल आ प्रीति गांधी सह-संयोजक बनलीह।
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

अमित मालवीयक छुट्टी, राम माधवक वापसी… नितिन नवीनक टीम मे ककरा-ककरा भेटल मौका? देखू पूरा लिस्ट

Next

केरलक नाम बदलि भेल केरलम, राष्ट्रपति मुर्मु विधेयक कें देलनि मंजूरी

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • संभावित बाढ़ि सं निपटबाक लेल तैयारी अद्यतन रखबाक प्रभारी मंत्रीक निर्देश
  • 17 जिलाक लेल मौसिम अलर्ट जारी, बरखा आ वज्रपातक आशंका
  • पप्पू यादव बाढ़ि कें लए केंद्र सरकार पर साधलनि निशाना, कहलनि-चुनाव मे देखाइत अछि हेलीकॉप्टर, संकट मे नेता गायब
  • बाढ़िक स्थायी समाधानक लेल प्रयास जारी, शिवराजक नेतृत्व मे टीम करत क्षतिक आकलन : सम्राट चौधरी

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • संभावित बाढ़ि सं निपटबाक लेल तैयारी अद्यतन रखबाक प्रभारी मंत्रीक निर्देश
  • 17 जिलाक लेल मौसिम अलर्ट जारी, बरखा आ वज्रपातक आशंका
  • पप्पू यादव बाढ़ि कें लए केंद्र सरकार पर साधलनि निशाना, कहलनि-चुनाव मे देखाइत अछि हेलीकॉप्टर, संकट मे नेता गायब
  • बाढ़िक स्थायी समाधानक लेल प्रयास जारी, शिवराजक नेतृत्व मे टीम करत क्षतिक आकलन : सम्राट चौधरी

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech