शरद पूर्णिमाक अवसर पर राष्ट्रीय मखान महोत्सवक भेल शुभारंभ, सांसद कयलनि उद्घाटन
- डॉ. गोपाल जी ठाकुर कहलनि जे मखान मिथिलाक सांस्कृतिक धरोहर, राष्ट्रीय महोत्सवक आयोजन गर्वक विषय
मिथिलाक मखान कें राष्ट्रीय आ वैश्विक पहचान दियाबैत देशक यशस्वी प्रधानमंत्री श्री नरेंद्र मोदी आ एनडीए सरकार मिथिलाक सांस्कृतिक पहिचान कें राष्ट्रीय पटल पर स्थापित कयने छथि। शरद पूर्णिमा आ कोजागरा पूजाक पावन अवसर पर रविदिन दरभंगाक राष्ट्रीय मखान अनुसंधान केंद्र मे राष्ट्रीय मखान महोत्सवक भव्य आयोजन कयल गेल। दीप प्रज्ज्वलित कए विधिवत रूपें कार्यक्रमक उद्घाटन कयल गेल। एहि अवसर पर मखान किसान आ उद्यमी सभ कें पाग, अंगवस्त्र आ प्रशस्ति-पत्र प्रदान कए सम्मानित कयल गेल।
संस्थानक निदेशक डॉ. नचिकेत कोतवालीवालेक अध्यक्षता मे आयोजित एहि कार्यक्रम कें संबोधित करैत मुख्य अतिथि, स्थानीय सांसद सह लोकसभा मे भाजपा सचेतक डॉ. गोपाल जी ठाकुर कहलनि जे महोत्सवक उद्देश्य मखान क्षेत्र मे अनुसंधान, नवाचार, उद्यमिता, मूल्यवर्धन, विपणन आ रोजगार सृजन कें प्रोत्साहित करब अछि। सांसद डॉ. ठाकुर कहलनि जे मखान मिथिलाक आर्थिक समृद्धिक महत्वपूर्ण आधार अछि। मखानाक उत्पादन, प्रसंस्करण आ विपणन कें बढ़ावा भेटला सं स्थानीय स्तर पर रोजगारक अवसर सृजित होयत आ मिथिला क्षेत्र सं श्रमिक सभक पलायन रोकय मे मदति भेटत। ओ मखान अनुसंधान केंद्र कें राष्ट्रीय दर्जा दिआबय लेल कयल गेल प्रयासक चर्चा करैत भारत सरकार आ प्रधानमंत्रीक प्रति आभार व्यक्त कयलनि। डॉ. ठाकुर कहलनि जे मखानाक विकास लेल ओ किसान, वैज्ञानिक आ अन्य संबंधित पक्षक संग मिलि निरंतर प्रयास करैत रहताह। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी द्वारा मखान कें वैश्विक पहचान दिआयबाक प्रयासक उल्लेख करैत ओ कहलनि जे आइ मिथिलाक मखान एकटा सुपरफूडक रूप मे विश्वभरि अपन पहचान बना रहल अछि। मखान किसानक आमदनी मे कतेको गुना वृद्धि होयबाक संभावना अछि, जाहि सं स्थानीय अर्थव्यवस्था कें मजबूती भेटत। संस्थानक निदेशक डॉ. नचिकेत कोतवालीवाले कहलनि जे पछिला दशक मे संस्थानक अनुसंधान आ प्रसार संबंधी प्रयासक परिणामस्वरूप मखान खेतीक क्षेत्रफल लगभग तीन गुना बढ़ल अछि। संस्थान भविष्य मे मखानाक संपूर्ण मूल्य शृंखला कें मजबूत करबाक, उन्नत तकनीकक प्रसार आ किसान तथा उद्यमी सभक आमदनी बढ़ेबाक दिशा मे काज करैत रहत। ओ किसान सभ सं 22 अक्टूबर सं 30 नवंबर धरि चलयवला ‘खेत बचाउ अभियान’ मे जुड़बाक आ एहि अभियानक अंतर्गत आयोजित कार्यक्रम सभक लाभ उठेबाक आह्वान कयलनि। एहि अवसर पर प्रगतिशील मखान किसान अमरजीत सहनी, महेश्वर ठाकुर, कपिलदेव झा, महेश मुखिया, शुभचंद मिश्रा आ पूजा कुमारी कें सम्मानित कयल गेल। मिथिला चित्रकलाक माध्य मे उद्यमिता आ कलाक संवर्धन मे उल्लेखनीय योगदान लेल मिथिला कला केंद्रक नीतू साह आ मिथिलाकृति हबक प्रीति सेहो सम्मानित कयल गेलीह। कार्यक्रम मे पूर्व विधायक अमरनाथ गामी, राष्ट्रीय लीची अनुसंधान केंद्रक निदेशक डॉ. विकास दास, सीफेट, लुधियानाक प्रधान वैज्ञानिक डॉ. आर.के. विश्वकर्मा, आइसीएआर पटनाक डॉ. संजीव कुमार, प्रो. विद्यानाथ झा सहित कतेको गणमान्य अतिथि, वैज्ञानिक, किसान, उद्यमी आ अन्य संबंधित पक्ष उपस्थित छलाह। एहि अवसर पर एकटा भव्य प्रदर्शनी सेहो आयोजित कयल गेल, जाहि मे बिहार सहित देशक विभिन्न राज्य सं पांच सय सं बेसी किसान आ उद्यमी भाग लेलनि। कार्यक्रमक संचालन आयोजन सचिव आ प्रधान वैज्ञानिक डॉ. मनोज कुमार कयलनि, जखन कि धन्यवाद ज्ञापन प्रधान वैज्ञानिक आ संयोजक डॉ. आई.एस. सिंह प्रस्तुत कयलनि।