Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

खगड़िया मे सीएनजी पर्यटक बस मे लागल आगि, 3 सिलेंडर भेल बलास्ट

Avatar
By Samadiya Mithila
September 26, 2026 2 Min Read
0

 

65 यात्री सभक सामान जरल

टायर जरबाक सन गंध अयलाक बाद पसरल धुआं

 

खगड़िया। खगड़ियाक मानसी थाना क्षेत्र मे एनएच-31 पर अनिल लाइन होटल लग शनि भोर मे सिलीगुड़ी सं गया जी जा रहल सीएनजी पर्यटक बस मे आगि लागि गेल। बस मे करीब 65 यात्री सवार छलाह।

सभ यात्री पितृपक्ष मेला मे शामिल होयबाक लेल गया जा रहल छलाह। हादसा मे सभ यात्री सुरक्षित बचि गेलाह, मुदा बस मे राखल यात्री सभक सामान, कपड़ा आ नकदी सहित सब किछु जरि गेल।

बस मे सवार हरिलाल सिंह बतौलनि जे भोर करीब 3:10 बजे बसक पछिला भाग सं घर्षण जकां आवाज आबय लागल। किछु देर बाद टायर जरबाक सन गंध आबय लागल। यात्री सभ ड्राइवर सं बस रोकबाक लेल कहलनि, मुदा एही बीच अचानक बस मे धुआं पसरि गेल आ आगि लागि गेल।

एकर बाद गेट खुलवा कए सभ यात्री कें बस सं सुरक्षित बाहर निकालल गेल। यात्री सभक बाहर निकललाक किछुए काल बाद बस मे राखल चारि सिलेंडर मे सं तीन सिलेंडर एक-एक कए फाटि गेल। आगिक लपट तेज भए गेल आ देखिते-देखिते पूरा बस जरि कए खाक भए गेल।

एहि घटना मे करीब 25 सं 30 लाख रुपैया नकद सहित लाखो रुपैयाक सामानक नोकसान भेल अछि।

घटना मे केकरो हताहत होयबाक सूचना नहि अछि।

आपदा पदाधिकारी चंदन कुमार बतौलनि जे सभ यात्री सुरक्षित छथि। यात्री सभक लेल फूड पैकेटक व्यवस्था कयल गेल अछि। बच्चा सभ कें दूधक जरूरत भेला पर ओकरो व्यवस्था कयल गेल अछि।

आपदा पदाधिकारी बतौलनि जे यात्री सभ मुख्य रूप सं सिलीगुड़ीक रहनिहार छथि आ ओतहि सं गया जी मे पितृपक्षक मेला मे शामिल होयबाक लेल जा रहल छलाह। ओ बतौलनि जे ई सीएनजी बस छल आ सीएनजी गैसक कारण ब्लास्ट भेलाक बाद बस मे आगि लागल।

जिलाधिकारी विक्रम विरकरक निर्देश पर यात्री सभक लेल भोजन, मेडिकल सुविधा आ बच्चा सभक लेल दूधक व्यवस्था कयल गेल अछि। मानसी थानाध्यक्ष दीपक कुमार बतौलनि जे घटनामे सभ यात्री सुरक्षित छथि। आगि लगबाक कारणक जांच कयल जा रहल अछि। शुरुआती तौर पर सीएनजी रिसावक आशंका सामने आएल अछि। आगिक वास्तविक कारण जांच पूरा भेलाक बादे स्पष्ट होयत।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithilaबिहार समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

सुपौल मे बढ़ल कोसीक जलस्तर, बराज सं 3.16 लाख क्यूसेक पानि छोड़ल गेल

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech