Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

मिथिलाक मखानक 25 टनक पैघ खेप ऑस्ट्रेलिया पठाओल गेल

Avatar
By Samadiya Mithila
August 7, 2026 2 Min Read
0

 

कृषि मंत्री देखौलनि हरियर झंडी

पटना। मिथिलाक मखान वैश्विक बाजार मे अपन उपस्थिति आरो मजबूत केने अछि। आब ई सात समुंदर पारक लोकसभक भोजनक हिस्सा बनत।

शुक्रदिन कृषि मंत्री विजय कुमार सिन्हा बिहटा स्थित सिकंदरपुर औद्योगिक क्षेत्रक इंटीग्रेटेड यूनिट ऑफ इरैडिएशन कम पैक हाउस (बिहार एग्री एक्सपोर्ट) सं 25 टन उच्च गुणवत्ताबला मखानक खेप कें ऑस्ट्रेलिया लेल हरियर झंडी देखाकए रवाना कएलनि।

ई खेप अंतरराष्ट्रीय गुणवत्ता मानकक अनुरूप प्रोसेसिंग आ पैकेजिंगक बाद निर्यात कएल गेल अछि। सरकारक मानब अछि जे एहि सं बिहारक कृषि उत्पादसभ कें वैश्विक बाजार मे नव पहचान भेटत आ मखाना किसानसभक आमदनी बढ़ेबामे सेहो सहायता भेटत।

एहि अवसर पर कृषि मंत्री विजय कुमार सिन्हा कहलनि जे बिहारक मखाना आब मात्र राज्य अथवा देश धरि सीमित नहि रहल अछि, बल्कि एकटा वैश्विक ब्रांडक रूप मे अपन पहचान बना रहल अछि।

ओ कहलनि जे राज्य सरकार किसानसभक उपज कें सीधा अंतरराष्ट्रीय बाजार सं जोड़बाक लेल लगातार प्रयासरत अछि, जाहिसं हुनका सभ कें अपन उपजक नीक मूल्य भेटि सकय आ बिहार कृषि निर्यातक प्रमुख केन्द्रक रूप मे स्थापित भए सकए।

हुनका अनुसार बिहटा स्थित इरैडिएशन कम पैक हाउस पूर्वी भारत लेल महत्वपूर्ण आधारभूत सुविधा अछि। एहि सं कृषि उत्पादसभक गुणवत्ता बनौने रखबाक, अंतरराष्ट्रीय मानकक अनुरूप पैकेजिंग करबाक आ निर्यात प्रक्रियाकें गति देबाक काज होएत।

मंत्री कहलनि जे मखानक निर्यात मे वृद्धि सं हजारो किसानसभक आमदनी बढ़त आ एहि क्षेत्र मे रोजगारक नव अवसर सेहो सृजित होएत।

कृषि मंत्री जानकारी देलनि जे राज्य सरकार मखाना बोर्डक गठन, मखानाक जीआई टैगक व्यापक प्रचार-प्रसार आ एकर मूल्य संवर्धन पर लगातार काज कए रहल अछि, जाहिसं बिहारक एहि पारंपरिक उत्पाद कें विश्व बाजार मे आरो मजबूत पहचान भेटि सकय।

खेप रवाना भेलाक बाद कृषि मंत्री मिथिला क्षेत्रक मखान किसान सभ सं सीधा संवाद सेहो कएलनि। किसान सभ भंडारण, उचित मूल्य, प्रोसेसिंग, निर्यात प्रक्रिया आ बाजार उपलब्धता सं जुड़ल समस्या हुनक समक्ष रखलनि।

मंत्री किसानसभ कें भरोस दैत कहलनि जे सरकार हुनक समस्यासभक समाधान लेल गंभीर अछि आ मखाना उत्पादन तथा निर्यात कें बढ़ावा देबाक लेल हर संभव कदम उठाओत।

ओ कहलनि जे बिहार सरकारक उद्देश्य किसानसभक आमदनी बढ़ेबाक संग-संग राज्यक कृषि उत्पादसभ कें अंतरराष्ट्रीय बाजार धरि पहुंचायब अछि, जाहिसं बिहार कृषि निर्यातक क्षेत्र मे देशक अग्रणी राज्यसभ मे अपन मजबूत पहचान बना सकए।

कृषि विभागक निदेशक अभिषेक कुमार बतौलनि जे पैक हाउस सं ट्रकक माध्यम सं पठाओल गेल मखाना बिहटा स्थित शुष्क बंदरगाह प्रिस्टीन मगध ड्राइपोर्ट पहुंचत।

ओतए सं सात कंटेनर ड्राइपोर्टक माध्यम सं रेलमार्गे आईसीडी कलकत्ता पोर्ट पठाओल जाएत। तत्पश्चात समुद्री मार्ग सं ई खेप ऑस्ट्रेलिया पहुंचत।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#Biharmakhanavijay sinha
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

बिहार मे खुजत 400 नव डिग्री कॉलेज आ भागलपुर मे एआई विश्वविद्यालय

Next

सहरसाक डीपीओक 4 ठेकान पर ईओयूक रेड ,छपरा मे पोस्टिंगक दौरान 3 करोड़क ट्रांजेक्शन भेटल छल

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech