Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

सहरसाक डीपीओक 4 ठेकान पर ईओयूक रेड ,छपरा मे पोस्टिंगक दौरान 3 करोड़क ट्रांजेक्शन भेटल छल

Avatar
By Samadiya Mithila
August 7, 2026 2 Min Read
0

 

सहरसा। आर्थिक अपराध इकाई (ईओयू) आय सं अधिक संपत्तिक मामिला मे सहरसाक जिला कार्यक्रम पदाधिकारी (डीपीओ) अजीत अमरक विरुद्ध पैघ कारबाइ कएलक अछि। ईओयू शुक्र भोर अजीत अमरक 4 ठाम पर एकसंग छापामारी कएलक। ई कारबाइ आय सं अधिक संपत्तिक मामिला मे कएल गेल अछि।

सीवानक रैनी गाम स्थित पैतृक आ निजी आवास, सहरसाक नया बाजार मे किरायक मकान आ सरकारी कार्यालय तथा छपराक गंडक कॉलोनी स्थित सरकारी आवास पर छापामारी कएल गेल।

सीवान स्थित पैतृक आवास पर करीब 6 घंटा धरि तलाशी अभियान चलल। एकर बाद ईओयू क टीम वापस चलि गेल। अभियानक नेतृत्व कएनिहार आर्थिक अपराध इकाइक डीएसपी सीपी यादव कहलनि, “9 सदस्यीय टीम आयल छल। किछु दस्तावेज बरामद भेल अछि, जाहि कें संग लए जाएल जा रहल अछि।”

ईओयू क प्रारंभिक जांच मे सामने आयल अछि जे अजीत अमर अपन ज्ञात आय सं 62 लाख 20 हजार 550 रुपैया अधिक संपत्ति अर्जित कएलनि अछि। जांच एजेंसीक अनुसार ई हुनकर वैध आयक तुलना मे लगभग 72.35 प्रतिशत अधिक अछि।

अजीत अमर 6 मास पूर्व छपरा सं स्थानांतरित भए सहरसा आयल छलाह। छपरा मे पोस्टिंगक दौरान सेहो हुनका पर गंभीर आरोप लागल छल। 32 मासक नौकरी मे हुनकर आ हुनकर पत्नीक बैंक खाता मे 2 करोड़ 51 लाख 6 हजार 562 रुपैयाक लेन–देन भेटल छल। एहि आरोपक बाद निष्पक्ष जांच सुनिश्चित करबाक लेल हुनकर पोस्टिंग सहरसा कएल गेल छल। एक मास पूर्व डीपीओ अजीत कुमार अमर पर आय सं अधिक संपत्ति आ घूसखोरी सं जुड़ल मामिला मे पैघ खुलासा भेल छल। जांच समितिक रिपोर्ट जिलाधिकारी कें सौंपल गेल छल, जाहि मे करोड़ो रुपैयाक संदिग्ध लेन–देन आ संपत्ति अर्जित करबाक बात सामने आयल छल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

ed raid
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

मिथिलाक मखानक 25 टनक पैघ खेप ऑस्ट्रेलिया पठाओल गेल

Next

पीएम सूर्य घर योजना सं जुड़बाक लेल लोक मे देखल गेल उत्साह

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech