Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

पीएम सूर्य घर योजना सं जुड़बाक लेल लोक मे देखल गेल उत्साह

Avatar
By Samadiya Mithila
August 7, 2026 2 Min Read
0

 

डीएम कएलनि सोलर मेलाक शुभारंभ

ऑन-द-स्पॉट रजिस्ट्रेशनक सुविधा,  3 किलोवाट धरि 78 हजार टाका सब्सिडी

सहरसा, समदिया

 

प्रधानमंत्रीक महत्वाकांक्षी पीएम सूर्य घर मुफ्त बिजली योजनाक व्यापक प्रचार-प्रसार आ सौर ऊर्जाक प्रति आम लोक कें जागरूक करबाक उद्देश्य सं शुक्रदिन स्थानीय विकास भवन मे विद्युत विभागक दिस सं भव्य सोलर मेलाक आयोजन कएल गेल। मेलाक उद्घाटन जिलाधिकारी दीपेश कुमार दीप प्रज्वलित कए कएलनि। कार्यक्रम मे पैघ संख्या मे बिजली उपभोक्ता, जनप्रतिनिधि, स्वयं सहायता समूहक सदस्य, विद्यार्थी, उद्यमी आ मीडिया प्रतिनिधि सहभागी भेलाह। कार्यक्रम मे अधिकारी सभ जानकारी देलनि जे एहि योजनाक अंतर्गत पात्र परिवार अपन घरक छत पर रूफटॉप सोलर प्लांट लगा कए बिजली उत्पादन कए सकैत छथि। एहि सं बिजली बिल मे उल्लेखनीय कमी आओत तथा अतिरिक्त बिजली ग्रिड मे पठा कए आर्थिक लाभ सेहो प्राप्त कएल जा सकैत अछि। मेला मे लगाओल गेल विभिन्न स्टॉल पर विशेषज्ञ सभ सोलर पैनलक कार्यप्रणाली, रखरखाव, सुरक्षा मानक, ऑनलाइन आवेदनक प्रक्रिया, पात्रता, आवश्यक दस्तावेज आ सरकारी अनुदानक संबंध मे विस्तृत जानकारी देलनि। उप विकास आयुक्त गौरव कुमार बेसी सं बेसी लोक कें योजनाक लाभ लेबाक अपील कएलनि।

 

विद्युत कार्यपालक अभियंता अमित कुमार आ एसटीएफक कार्यपालक अभियंता प्रशांत कुमार उपभोक्तासभक तकनीकी आ वित्तीय जिज्ञासाक समाधान कएलनि। मेलाक खास विशेषता ऑन-द-स्पॉट रजिस्ट्रेशनक सुविधा रहल, जाहि सं इच्छुक उपभोक्ता मौके परे आवेदनक प्रक्रिया शुरू कए सकलाह। अधिकारी सभ बतौलनि जे योजनाक अंतर्गत 1 किलोवाटक सोलर संयंत्र पर 30 हजार टाका, 2 किलोवाट पर 60 हजार टाका तथा 3 किलोवाट अथवा एकरा सं बेसी क्षमताक सोलर संयंत्र पर 78 हजार टाका धरि सब्सिडी देल जा रहल अछि। एकर अतिरिक्त करीब 7 प्रतिशत ब्याज दर पर 2 लाख टाका धरि ऋणक सुविधा सेहो उपलब्ध अछि।

 

कार्यक्रमक अंत मे विद्युत विभाग सभ प्रतिभागीक प्रति आभार व्यक्त कएलक। विभाग विश्वास व्यक्त कएलक जे एहि पहल सं जिला मे स्वच्छ आ हरित ऊर्जाक उपयोग कें बढ़ावा भेटत तथा लोकक बीच सौर ऊर्जाक प्रति जागरूकता सेहो बढ़त।

========================================================================

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

saharsa
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

सहरसाक डीपीओक 4 ठेकान पर ईओयूक रेड ,छपरा मे पोस्टिंगक दौरान 3 करोड़क ट्रांजेक्शन भेटल छल

Next

एके-47 चलाबैक आदेश के देलक?’ डीजीपी विनय कुमार सं भेट कए तेजस्वी यादव उठौलनि सवाल

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech