एके-47 चलाबैक आदेश के देलक?’ डीजीपी विनय कुमार सं भेट कए तेजस्वी यादव उठौलनि सवाल
कहला- एहि मामिला मे संबंधित डीएम आ एसपी पर हो कारबाइ

पटना। बिहारक नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव शुक्र दिन पुलिस मुख्यालय पहुंचि डीजीपी विनय कुमार सं भ्रेंट कएलनि। एहि दौरान राष्ट्रीय जनता दल (राजद) क कतेको वरिष्ठ नेता सेहो हुनका संग उपस्थित छलाह। भेंटक क्रम मे ओ राज्य मे बढ़ैत अपराध आ कतेको चर्चित मामिला उठौलनि।
तेजस्वी यादव पटना क बंटी यादव हत्याकांड आ सिवान मे एक छात्र पर एके-47 सं फायरिंगक मामिला पर डीजीपी सं जवाब मांगलनि। हुनकर कहब छल जे एहि मामिला मे संबंधित डीएम आ एसपी पर कारबाइ होना चाही।
तेजस्वी यादव कहलनि जे मात्र एकटा सिपाही कें जिम्मेदार ठहरा कए मामिलाक समापन नहि कएल जा सकैत अछि। ओ सवाल उठौलनि जे एके-47 चलाबैक आदेश आखिर के देलक। आदेश देनिहार लोक सभ पर सेहो कारबाइ होना चाही आ हुनका बचाओल नहि जाए।
तेजस्वी यादव कहलनि जे एहि मामिला पर ने देशक गृह मंत्री किछु बाजि रहल छथि आ ने बिहारक गृह मंत्री। ओ मुख्यमंत्री सं सेहो जनताक समक्ष आबि पूरा मामिलाक स्पष्ट जवाब देबाक मांग राखलनि।
तेजस्वी यादव सभ विपक्षी नेता सभ सं बिहार आबैक अपील कएलनि। हुनकर कहब छल जे संसद सत्र समाप्त भेलाक बाद सभ विपक्षी नेता बिहार आबथि आ मुख्यमंत्री सं एहि सभ मामिला पर जवाब मांगथि। तेजस्वी यादव कहलनि जे जाबत धरि पेपर लीक सं जुड़ल पैघ माफिया सभ पर कठोर कारबाइ नहि होयत, ताबत धरि एहन घटना सभ पर रोक नहि लागत। हुनकर कहब छल जे मात्र छोट लोक सभ पर कारबाइ कएला सं कोनो अंतर नहि पड़त।
तेजस्वी यादव भरत तिवारी एनकाउंटरक मुद्दा सेहो डीजीपीक समक्ष उठौलनि। ओ आरोप लगौलनि जे एहि मामिला कें दबाबैक प्रयास कएल गेल आ एकर निष्पक्ष जांच नहि भेल। तेजस्वी यादव कहलनि जे बिहार मे लगातार अपराध बढ़ि रहल अछि आ राज्यक छवि प्रभावित भए रहल अछि। हुनकर आरोप छल जे बिहार कें पुलिस स्टेट बनेबाक प्रयास कएल जा रहल अछि।