जयनगर मे सड़क दुघर्टना मे 4 वर्षीय बच्चा आ अधेड़क मृत्यु, एक गंभीर
ट्रक कें ओवरटेक करैत काल भैंस सं टकरायल बाइक, चलैत ट्रकक नीचां घुसल
ग्रामीण सभ टायर जरा सड़क जाम कए जतौलनि विरोध

जयनगर, समदिया
जयनगर-दरभंगा एनएच-527 बी पर पेट्रोल पंपक लग नहरक समीप बृहस्पतिक देर रात भेल भीषण सड़क हादसा मे एक 4 वर्षीय बच्चा आ एक अधेड़क मृत्यु भए गेल, जखन कि एक व्यक्ति गंभीर रूप सं घायल भए गेल। दुर्घटनाक बाद घटनास्थल पर लोकक भीड़ जुटि गेल आ क्षेत्र मे अफरा-तफरी मचि गेल। प्रत्यक्षदर्शी आ स्थानीय लोकक अनुसार जयनगर सं दरभंगाक दिस एक ट्रक जा रहल छल। ओहि समय एक बाइक पर दू व्यक्ति आ एक बच्चा सवार छल। बाइक सवार ट्रक कें ओवरटेक करबाक प्रयास करैत छल। ओवरटेक करैत काल अनचोके एक भैंस सड़क पर आबि गेल। बाइक भैंस सं टकरा गेल आ अनियंत्रित भए चलैत ट्रकक नीचां घुसि गेल। हादसा मे 4 वर्षीय बच्चा प्रिंस ट्रकक चक्काक चपेट मे आबि घटनास्थले मृत्यु भए गेल। ओतहि 55 वर्षीय ओकर दादा उदीस यादव सेहो ट्रकक चक्काक चपेट मे आबि गेलाह। हुनकर शरीरक पिछला हिस्सा कुचलि गेल। गंभीर अवस्था मे हुनका अनुमंडल अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल, जतय इलाजक क्रम मे हुनकर मृत्यु भए गेल। बाइक पर सवार तेसर व्यक्ति 30 वर्षीय अनिल यादव सेहो गंभीर रूप सं घायल भए गेलाह। स्थानीय लोक हुनका आनन-फानन मे अनुमंडल अस्पताल पहुंचा देलनि। प्राथमिक उपचारक बाद चिकित्सक हुनका नीक इलाज लेल अन्यत्र रेफर कए देलनि। तीनू एकहि परिवारक सदस्य आ छपराढ़ी गांव निवासी बताओल गेल छथि। घटना सं आक्रोशित ग्रामीण सभ सड़क जाम कए देलनि आ टायर जरा कए विरोध जतौलनि। एहि कारण सड़क पर आवागमन बाधित रहल। घटना बाद ट्रक चालक ट्रक छोड़ि घटनास्थल सं फरार भए गेल। अनुमंडल अस्पतालक डीएस डॉ. रौनित कुमार कहलनि जे हादसा मे 4 वर्षीय बच्चा आ अधेड़क मृत्यु भए चुकल अछि, जखन कि एक घायल कें प्राथमिक उपचारक बाद रेफर कएल गेल अछि।