मधेपुरा मे बीच सड़क पर छात्र कें गोली मारि हत्या
मधेपुरा मे बीच सड़क पर छात्र कें गोली मारि हत्या
- बिहारक पूर्व शिक्षा मंत्री चंद्रशेखरक ममियौत भाइ छल छात्र
मधेपुरा, समदिया
राज्यक पूर्व शिक्षा मंत्री आ राष्ट्रीय जनता दल (राजद) विधायक चंद्रशेखर यादवक संबंधीक शुक्रदिन गोली मारि हत्या कए देल गेल। घटना मधेपुरा मे घैलाढ़ रोड पर साहुगढ़-भेलवा बीच दुपहर लगभग 12 बजे भेल। मृतकक पहिचान घैलाढ़ प्रखंडक इनरवा गाम निवासी प्रिन्स रंजन कुमार (25) केर रूप मे भेल अछि। ओ बीएन मंडल विश्वविद्यालय मे पीएचडीक छात्र छलाह। पुलिसक कहब अछि जे मोबाइल छिनतइक विरोध करबाक कारण अपराधी हुनका बीच सड़क पर गोली मारि देलक।
जानकारीक अनुसार, प्रिंस शुक्रदिन दुपहर लगभग 12 बजे अपन बाइक सं घर सं विश्वविद्यालय लेल निकलल छलाह। एहि बीच मधेपुरा सदर थाना क्षेत्रक साहुगढ़ स्थित गोढ़ियारी चिमनी लग बाइक सवार अपराधी हुनका गोली मारि देलक। गोली हुनकर पीठ मे लागल, जाहि सं ओ गंभीर रूप सं घायल भए गेलाह। अस्पताल लए गेलापर चिकित्सक हुनका मृत घोषित कए देलनि।
गोलीक आवाज सुनि दौड़ल लोक, अपराधी फरार
स्थानीय लोक सभक अनुसार, गोली चलबाक आवाज सुनिते लोक घटनास्थल दिस दौड़ल, मुदा ताबत अपराधी मौका सं फरार भए गेल छल। घटनाक बाद इलाका मे सनसनी पसरि गेल। सूचना भेटिते पुलिस घटनास्थल पर पहुंचि जांच शुरू कए देलक। मृतकक शव कें पोस्टमार्टम लेल पठा देल गेल अछि।
राजद नेता चंद्रशेखरक ममियौत भाइ छलाह प्रिंस
प्रिंस रंजन कुमार राजद विधायक आ पूर्व शिक्षा मंत्री चंद्रशेखर यादवक ममियौत भाइ बताओल जा रहल छथि। घटनाक बाद चंद्रशेखर राज्यक कानून-व्यवस्था पर प्रश्न उठौलनि आ अपराधी सभ कें तत्काल गिरफ्तार करबाक मांग कयलनि। एसडीपीओ अजय कुमार बतौलनि जे छिनतइक दौरान अपराधी एकटा युवक कें गोली मारलक। अस्पताल लए जेबाक क्रम मे हुनकर मृत्यु भए गेल। पुलिस घटनाक जांच शुरू कए देने अछि। फॉरेंसिक टीम घटनास्थल सं साक्ष्य एकत्र कयने अछि। पुलिसक कहब अछि जे अपराधी सभ कें शीघ्र गिरफ्तार कयल जायत।
चंद्रशेखर कहलनि,–पूरा बिहार मे एहने स्थिति अछि
पूर्व मंत्री चंद्रशेखर आरोप लगौलनि जे एहेन घटना मात्र मधेपुरा मे नहि, बल्कि पूरा बिहार मे भए रहल अछि। हुनकर कहब अछि जे विभिन्न इलाका मे लोक सभ सं दिन-देखाड़ मोबाइल आ बाइक छिनल जा रहल अछि, मुदा पुलिस आ प्रशासन एहि पर प्रभावी कारबाइ नहि कए रहल अछि।
ओ कहलनि जे जाहि स्थान पर प्रिंसक हत्या भेल, ओतय पहिनहुं कतेको लोकक मोबाइल आ बाइक छिनल जा चुकल अछि। हुनकर दावा अछि जे पछिला छह मास मे एहि सड़क पर छिनतइक 12 घटना सामने आबि चुकल अछि। प्रिंस छिनतइक विरोध कयलनि, तखन अपराधी हुनका गोली मारि देलक।
चंद्रशेखर बिहार सरकार सं एहन घटनापर रोक लगेबाक लेल उचित डेग उठेबाक मांग कयलनि। ओ संवेदनशील आ सुनसान इलाका सभ मे पुलिस गश्ती बढ़ेबाक आवश्यकता पर सेहो जोर देलनि। एहि हत्याकांडक बाद क्षेत्र मे भयक वातावरण अछि आ लोक अपराधी सभक शीघ्र गिरफ्तारीक प्रतीक्षा कए रहल छथि।