Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

दिवाली सं पहिने जेडीयूक बागी नेता सभ पर होयत कारबाइ : संजय झा

Avatar
By Samadiya Mithila
October 29, 2026 2 Min Read
0

 

संजय झा कहलनि, 5 नवंबर कें होयत जदयूक समीक्षा बैसार

 

पटना, समदिया

बिहार विधान परिषदक शिक्षक आ स्नातक निर्वाचन क्षेत्रक चुनाव मे जेडीयूक चारि मे तीन सीट पर हारि भेल अछि। पटना स्नातक सीट पर पार्टी कसगर टक्कर मे जीत हासिल कयलक। पार्टीक किछु नेताक बागी तेवर जेडीयूक लेल परेशानी बढ़ौने छल। आब पार्टी हारिक समीक्षा कए बागी नेता सभ पर कारबाइ करबाक तैयारी मे अछि। जेडीयूक राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष संजय झा कहलनि जे 5 नवंबर कें पार्टीक समीक्षा बैसार होयत। एहि बैसार मे चुनाव मे हारिक कारण पर विचार कयल जायत आ तकर बादे आगू निर्णय लेल जायत। हुनकर कहब छलनि जे बागी नेता सभक कारण पार्टीक परेशानी जरूर बढ़ल, मुदा समीक्षा पूरा भेलाक बादे एहि विषय मे किछु कहल जा सकैत अछि। दिवाली सं पहिने कारबाइ होयबाक संभावना जताओल जा रहल अछि।

संजय झा इहो कहलनि जे नीतीश कुमार शिक्षक सभक लेल बहुत काज कयलनि, मुदा चुनाव मे हुनका सभ कें अपेक्षित समर्थन नहि भेटल। बृहस्पति दिन जेडीयू कार्यालय मे भेल बैसार मे प्रदेश अध्यक्ष उमेश कुशवाहा आ विभिन्न जिलाक अध्यक्ष सभ शामिल भेलाह। बैसार मे 26 नवंबर कें सुशासन दिवस मनेबाक निर्णय लेल गेल।

बाक्स

हुनका सं बधाइ नहि लेब : नीरज

पटना स्नातक निर्वाचन क्षेत्र सं जीतलाक बाद नीरज कुमार मुख्यमंत्री रहल नीतीश कुमार, उपमुख्यमंत्री विजय चौधरी आ बिजेंद्र प्रसाद यादव तथा संजय झा सहित वरिष्ठ नेता सभ सं भेंट कए आशीर्वाद लेलनि। नीरज कुमार संजय झाक सहयोगक प्रशंसा करैत कहलनि जे ओ चुनावक दौरान लगातार जानकारी लैत रहलाह आ मार्गदर्शन दैत रहलाह। ओ नीतीश कुमार आ निशांत कुमारक भूमिकाक सेहो सराहना कयलनि। मुदा ललन सिंहक संदर्भ मे हुनकर बयान सं पार्टीक भीतर गुटबाजीक चर्चा तेज भए गेल अछि। नीरज कुमार कहलनि जे ओ ललन सिंह सं बधाइ नहि लेता। हुनकर माता-पिता आ पूर्वज हुनका सिखौने छथि जे जं केकरो ऋण ली, तं वापस जरूर करी। ओ कहलनि जे एहि राजनीतिक ऋण कें ओ सूदि सहित वापस करताह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

दरभंगा स्नातक सीट सं राजदक अनिल कुमार झा जीतलाह

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • दरभंगा स्नातक सीट सं राजदक अनिल कुमार झा जीतलाह
  • दिवाली सं पहिने जेडीयूक बागी नेता सभ पर होयत कारबाइ : संजय झा
  • आजुक ई पेपर
  • एक करोड़ नव उद्यमी तैयार करत सरकार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 30-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 29-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 28-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 27-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 26-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • दरभंगा स्नातक सीट सं राजदक अनिल कुमार झा जीतलाह
  • दिवाली सं पहिने जेडीयूक बागी नेता सभ पर होयत कारबाइ : संजय झा
  • आजुक ई पेपर
  • एक करोड़ नव उद्यमी तैयार करत सरकार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech