Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

दुर्गा पूजा लेल प्रशासन सतर्क, 450 स्थान पर सुरक्षाक पुख्ता इंतजाम

Avatar
By Samadiya Mithila
October 17, 2026 2 Min Read
0

 

डीएम-एसएसपीक नेतृत्व मे फ्लैग मार्च, ड्रोन आ सीसीटीवी सं होयत निगरानी

 

दरभंगा, समदिया

दुर्गा पूजाक दौरान शांति आ विधि-व्यवस्था बनौने रखबाक संगहि लोकसभक सुरक्षा सुनिश्चित करबाक लेल शनिदिन जिलाधिकारी कौशल कुमार आ वरीय पुलिस अधीक्षक जगुनाथ रेड्डी जलारेड्डीक संयुक्त नेतृत्व मे फ्लैग मार्च निकालल गेल। पुलिस लाइन सं शुरू भेल फ्लैग मार्च लोहिया चौक, नीम चौक, दरभंगा टावर, कादिराबाद, बाजार समिति, दिल्ली मोड़, बाघ मोड़, रेलवे स्टेशन, दोनार चौक, अल्लपट्टी आ बेंता सहित शहरक प्रमुख सड़क सभ सं गुजरल।

जिलाधिकारी कहलनि जे जिला मे करीब 450 स्थान पर दुर्गा पूजाक आयोजन भए रहल अछि। सप्तमीक दिन श्रद्धालुसभक भीड़ कें देखैत सभ पूजा स्थल पर पुलिस पदाधिकारी आ दंडाधिकारीक तैनाती कयल गेल अछि। संवेदनशील स्थान सभ पर ड्रोन आ सीसीटीवी कैमरा द्वारा निगरानी राखल जायत। ओ थाना प्रभारी सभ कें सतर्क रहबाक आ लगातार गश्ती करबाक निर्देश देलनि। संगहि पूजा समिति सभ सं बिहार विधान परिषदक शिक्षक आ स्नातक निर्वाचन कें लए लागू आदर्श आचार संहिताक पालन करबाक अपील कयलनि। पूजा पंडाल सभ मे राजनीतिक दलक पोस्टर-बैनर नहि लगयबाक निर्देश सेहो देल गेल।

वरीय पुलिस अधीक्षक कहलनि जे पूजा पंडाल सभ मे पर्याप्त पुलिस बल आ दंडाधिकारी तैनात कयल गेल छथि। ग्रामीण क्षेत्र सभ मे चौकीदार सभ कें सेहो लगाओल गेल अछि। थाना प्रभारी, अंचल अधिकारी, अनुमंडल पदाधिकारी आ अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी अपन-अपन क्षेत्र मे लगातार निगरानी कए रहल छथि। आपात स्थिति सं निपटबाक लेल क्विक रिस्पांस टीम (क्यूआरटी) गठित कयल गेल अछि। एकर अतिरिक्त 10 बाइक गश्ती दल आ डायल 112 केर टीम सभ कें सक्रिय राखल गेल अछि। पूजा पंडाल सभ मे आगि लगबाक घटना आ बिजली सं जुड़ल समस्या सं निपटबाक लेल अग्निशमन आ विद्युत विभाग कें सतर्क रहबाक निर्देश देल गेल अछि। एसएसपी कार्यालय मे 24 घंटा सक्रिय रहयवला कंट्रोल रूम स्थापित कयल गेल अछि। नागरिक कोनो आपात स्थिति अथवा संदिग्ध गतिविधिक सूचना कंट्रोल रूम वा डायल 112 पर दए सकैत छथि। एसएसपी चेतावनी देलनि जे सोशल मीडिया पर आपत्तिजनक टिप्पणी करय, भ्रामक सूचना प्रसारित करय अथवा अफवाह फैला सामाजिक सौहार्द बिगाड़य वलासभक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज कए कड़ी कानूनी कारबाइ कयल जायत। साइबर सेल सोशल मीडिया पर लगातार नजरि रखने अछि। फ्लैग मार्च मे नगर पुलिस अधीक्षक, अनुमंडल पदाधिकारी, अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी सहित अन्य प्रशासनिक आ पुलिस पदाधिकारी शामिल छलाह। जिला प्रशासन लोक सभ सं दुर्गा पूजा शांतिपूर्ण आ सौहार्दपूर्ण वातावरण मे मनयबाक अपील कयलक।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

मिथिला मे दुर्गोत्सवक धूम, सप्तमी पर खुजल पट, दर्शन लेल उमड़ल भीड़

Next

दरभंगा मे दरबज्जा पर सुतल बुजुर्गक गोली मारि हत्या

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech