बिहार मे 51,600 करोड़ रुपैया निवेश लेल एमओयू, स्टील हब बनेबा पर सरकारक जोर
पटना। बिहार मे औद्योगिक निवेश कें गति देबाक दिशा मे बृहस्पतिदिन पैघ कदम उठाओल गेल। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक उपस्थितिक बीच राज्य सरकार आ देशक विभिन्न औद्योगिक समूह सभक बीच करीब 51,600 करोड़ि रुपैया निवेश लेल समझौता ज्ञापन (एमओयू) पर हस्ताक्षर कएल गेल। सरकारक दावा अछि जे एहि निवेश प्रस्ताव सभ सं राज्य मे पैघ पैमाना पर उद्योग स्थापित होयत आ रोजगारक नव अवसर सृजित होयत।
एहि अवसर पर मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कहलनि जे राज्य सरकारक लक्ष्य निवेश प्रस्ताव सभ कें शीघ्र धरातल पर उतारब अछि, जाहि सं बिहार मे औद्योगिक गतिविधिक विस्तार तेज गति सं भए सकय। ओ कहलनि जे बिहार कें देशक प्रमुख स्टील हबक रूप मे विकसित करबाक दिशा मे सरकार काज कए रहल अछि। एकरा लेल स्टील आ मेटल क्षेत्र मे पैघ निवेश कें प्रोत्साहित कएल जाएत। एकर अतिरिक्त टेक्सटाइल, न्यूक्लियर एनर्जी, फूड प्रोसेसिंग आ फार्मा क्षेत्र कें सेहो प्राथमिकता देल जाएत।
सरकारी विज्ञप्तिक अनुसार, निवेश लेल एमओयू पर हस्ताक्षर करनिहार प्रमुख कंपनी सभ मे श्याम स्टील मैन्युफैक्चरिंग लिमिटेड, शाकंभरी इस्पात एंड पावर लिमिटेड, नक्षित आयरन एंड स्टील प्राइवेट लिमिटेड, श्री लंगटा बाबा मेटल्स एंड पावर लिमिटेड, अंकुर स्टील प्राइवेट लिमिटेड आ श्री समृद्धि स्टील प्राइवेट लिमिटेड शामिल अछि। एकर अतिरिक्त ग्लोबल रिन्यूएबल एडवांस्ड क्लीन एनर्जी प्राइवेट लिमिटेड न्यूक्लियर एनर्जी क्षेत्र मे निवेशक प्रतिबद्धता जतौलक, जखनकि आन कंपनी सभ टेक्सटाइल आ संबंधित क्षेत्र मे निवेश करबाक घोषणा कएलक।
मुख्यमंत्री कहलनि जे टेक्सटाइल उद्योग श्रम आधारित क्षेत्र अछि। एकर विस्तार सं राज्य मे पैघ पैमाना पर रोजगारक सृजन होयत। ओ कहलनि जे स्वच्छ ऊर्जा, विशेष रूप सं न्यूक्लियर एनर्जी सं जुड़ल निवेश भविष्यक ऊर्जा आवश्यकताक पूर्ति मे महत्वपूर्ण भूमिका निभायत। फूड प्रोसेसिंग क्षेत्रक विस्तार सं किसान सभ कें नीक बाजार भेटत आ ग्रामीण अर्थव्यवस्था सेहो मजबूत होयत।
एहि दौरान मुख्यमंत्री ‘बिहार बिजनेस कनेक्ट-2026′ क तैयारीक समीक्षा सेहो कएलनि। ओ कहलनि जे एहि आयोजनक माध्यम सं देश-विदेशक निवेशक सभ कें बिहार मे उपलब्ध औद्योगिक अवसर सभ सं जोड़ल जाएत। मुख्यमंत्री ‘बिल्ड एंड बिलीव इन बिहार’ कें राज्यक औद्योगिक विकासक मूल मंत्र बतबैत कहलनि जे सरकार निवेशक सभक विश्वास मजबूत करबा आ उद्योग स्थापनाक प्रक्रिया सरल बनेबा लेल मिशन मोड मे काज कए रहल अछि।
कार्यक्रम मे उपमुख्यमंत्री बिजेंद्र प्रसाद यादव, उद्योग मंत्री श्रेयसी सिंह, मुख्यमंत्रीक प्रधान सचिव दीपक कुमार, मुख्य सचिव प्रत्यय अमृत, विकास आयुक्त सहित विभिन्न विभागक वरीय अधिकारी सभ उपस्थित छलाह।