Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

खेग्रामसक दू दिवसीय दिन-राति सत्याग्रह आंदोलन समाप्त

Avatar
By Samadiya Mithila
August 14, 2026 2 Min Read
0

 

10 दिन मे मांगक समाधान नहि भेल तं अनिश्चितकालीन घेरा डालो, डेरा डालो आंदोलनक चेतावनी

 

जयनगर, समदिया

अखिल भारतीय खेत एवं ग्रामीण मजदूर सभा (खेग्रामस)क आह्वान पर गरीब, भूमिहीन आ महादलित परिवारक 15 सूत्री मांग कें लए कए 13-14 अगस्त कें प्रखंड-अंचल कार्यालय, जयनगरक समक्ष आयोजित दू दिवसीय दिन-रात सत्याग्रह आंदोलन शुक्रदिन समाप्त भए गेल। सत्याग्रहक दोसर दिन सेहो सैकड़ो भूमिहीन, गरीब आ महादलित परिवारक लोक सहभागी भए अपन मांगक समर्थन मे जोरदार आवाज बुलंद कएलनि। सत्याग्रह आंदोलन खेग्रामसक प्रखंड संयोजक तस्लीमक नेतृत्व मे आ भाकपा-मालेक प्रखंड सचिव भूषण सिंहक मौजूदगी मे आयोजित कएल गेल। आंदोलनकारी सभक दिस सं राष्ट्रपति महोदयक नाम 15 सूत्री मांग-पत्र लिखित आवेदनक माध्यम सं प्रखंड विकास पदाधिकारी आ अंचलाधिकारी कें सौंपल गेल। एहि अवसर पर भाकपा-मालेक प्रखंड सचिव भूषण सिंह कहलनि जे भूमिहीन गरीब परिवार कें भूमिक अधिकार आ पर्चाधारी परिवार कें अपन जमीन पर दखल-कब्जा दिअबय सहित सभ 15 सूत्री मांगक स्थानीय प्रशासन गंभीरतापूर्वक समाधान करय। ओ कहलनि जे जं 10 दिनक भीतर मांगक समाधानक दिशा मे ठोस कारबाइ नहि भेल, तं प्रखंडक सभ भूमिहीन आ गरीब परिवार कें गोलबंद कए अनिश्चितकालीन घेरा डालो, डेरा डालो आंदोलन शुरू कएल जाएत। एकर संपूर्ण जिम्मेदारी स्थानीय प्रशासनक होयत। ओ कहलनि जे गरीब सभ कें वर्षो सं हुनकर अधिकार सं वंचित राखल गेल अछि। भूमि, आवास आ अन्य बुनियादी अधिकार लेल भूमिहीन परिवार लगातार संघर्ष कए रहल छथि। प्रशासन कें आंदोलनकारी सभक मांग पर संवेदनशीलताक संग कारबाइ करैत समयबद्ध ढंग सं समस्या सभक समाधान करबाक चाही। प्रखंड विकास पदाधिकारीक अनुपस्थिति मे कल्याण पदाधिकारी सुनील कुमार सत्याग्रह स्थल पर पहुंचि आंदोलनकारी सभ सं वार्ता कएलनि। वार्ताक दौरान प्रशासनक दिस सं मांग सभ पर आवश्यक कारबाइ करबाक आश्वासन देल गेल। एकर बाद आंदोलनकारी सभ हाथ मे तिरंगा लेने दू दिवसीय सत्याग्रह आंदोलन समाप्त कएलनि। वार्ताक दौरान प्रखंड संयोजक तस्लीम, प्रखंड सचिव भूषण सिंह, नरेश ठाकुर, नजाम, फूलो देवी, शिवो देवी, जानकी देवी, सुजीत पासवान, विकास यादव, लक्ष्मण साह, जहाना खातून, रीता देवी, पहाड़ी सदाय, रीता देवी, सुनील पासवान सहित सैकड़ो आंदोलनकारी उपस्थित छलाह। खेग्रामसक नेता सभ स्पष्ट चेतावनी देलनि जे 10 दिनक भीतर मांग सभ पर ठोस समाधान नहि भेल तं आंदोलन कें आरो व्यापक करैत अनिश्चितकालीन घेरा डालो, डेरा डालो आंदोलन शुरू कएल जाएत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNewsमधुबनी समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

बिहार पुलिस कें भेटल 18 पुलिस पदक, इंस्पेक्टर अफसर हुसैन कें गैलंट्री मेडल

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech