बिहार पुलिस कें भेटल 18 पुलिस पदक, इंस्पेक्टर अफसर हुसैन कें गैलंट्री मेडल
दू अधिकारी कें राष्ट्रपति पदक
पटना। स्वतंत्रता दिवसक अवसर पर केंद्रीय गृह मंत्रालयक दिस सं बिहार पुलिस कें कुल 18 पुलिस पदक प्रदान कएल गेल अछि। एहि मे इंस्पेक्टर मोहम्मद अफसर हुसैन कें वीरताक लेल गैलंट्री मेडल देल गेल अछि, जखनकि आईजी संजय कुमार आ एसपी बीना कुमारी कें विशिष्ट सेवाक लेल राष्ट्रपति पदक लेल चयनित कएल गेल अछि।
बिहार पुलिस कें एहि बेर कुल 18 पुलिस पदक प्राप्त भेल अछि। एकरा अतिरिक्त डीआईजी राकेश कुमार सिन्हा आ एसपी इम्तियाज अहमद सहित 15 पुलिस पदाधिकारी आ कर्मी सभ लेल सराहनीय सेवाक पदकक घोषणा कएल गेल अछि।
उल्लेखनीय अछि जे वर्ष 2025 मे बिहार पुलिस कें 15 पदक प्राप्त भेल छल, जखनकि एहि बेर ई संख्या बढ़ि कए 18 भए गेल अछि।
डीआईजी राकेश कुमार सिन्हाक सेवाक यात्रा
डीआईजी राकेश कुमार सिन्हा 1999 मे डीएसपीक रूप मे पुलिस सेवाक शुरुआत केने छलाह। वर्ष 2001 मे झारखंडक दुमका मे हुनक पहिल पदस्थापना भेल छल।
बाद मे हुनका बिहार कैडर आवंटित कएल गेल। ओ रोहतास, शेखपुरा, जहानाबाद आ नालंदा सहित कतेको जिला मे सेवा दए चुकल छथि। एसटीएफ सं लए कए एटीएस आ निगरानी विभाग धरि विभिन्न महत्वपूर्ण जिम्मेदारी सभ सेहो संभारि चुकल छथि।
वर्ष 2012 मे हुनका भारतीय पुलिस सेवा (आईपीएस) अधिकारी बनाओल गेल। वर्तमान मे ओ निगरानी अन्वेषण ब्यूरो मे डीआईजी पद पर कार्यरत छथि।
पंजाब आ गुजरात विधानसभा चुनावक दौरान ओ पुलिस पर्यवेक्षकक भूमिका सेहो निभौने छलाह। एखन धरि हुनका 32 प्रशस्ति पत्र प्राप्त भए चुकल अछि। आब एहि प्रतिष्ठित सम्मान सं सेहो सम्मानित कएल गेल अछि।