Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

भरत भूषण तिवारीक परिवार कें आर्थिक सहायता आ एक परिजन कें नौकरी देत सरकार : मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी

Avatar
By Samadiya Mithila
August 13, 2026 2 Min Read
0

 

पटना, समदिया

बिहारक चर्चित भरत भूषण तिवारीक कथित पुलिस मुठभेड़ मे भेल मृत्यु प्रकरण मे मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी बृहस्पतिदिन पैघ घोषणा केलनि। हुनका अनुसार दिवंगत भरत भूषण तिवारीक परिवार कें आर्थिक सहायता देल जाएत आ परिवारक एक सदस्य कें सरकारी नौकरी प्रदान कएल जाएत।

मुख्यमंत्री कहलनि जे न्यायिक जांचक अंतरिम रिपोर्टक आधार पर बिहार सरकार ई निर्णय लेने अछि। एहि संबंध मे जानकारी हुनका सोशल मीडिया मंचक माध्यम सं साझा केलनि।

उल्लेखनीय अछि जे ई मामिला 17 जूनक भोर मे भोजपुर जिलाक शाहपुर थाना क्षेत्रक बिलौटी गाम मे भेल पुलिस मुठभेड़ सं जुड़ल अछि। बिलौटी निवासी काशीनाथ तिवारीक पुत्र भरत भूषण तिवारी कें पुलिस कारबाइक दौरान पांच गोली लागबाक बाति सामने आएल छल। गंभीर रूप सं घायल भरत भूषण कें इलाज लेल अस्पताल लए जाएल गेल छल, जतए बाद मे हुनकर मृत्यु भए गेल।

घटनाक बाद भरत भूषणक परिजन सभ आ स्थानीय लोक सभ पुलिस कारबाइ पर गंभीर प्रश्न उठौने छलाह। परिजन सभक आरोप छल जे भरत भूषण पुलिसक समक्ष आत्मसमर्पण कए देने छलाह, मुदा एकरा बावजूद हुनका गोली मारल गेल।

घटनाक बाद क्षेत्र मे तनावक स्थिति उत्पन्न भए गेल छल आ लोक सभ विरोध-प्रदर्शन सेहो केने छलाह। एहि संबंध मे प्राथमिकी दर्ज कएल गेल छल।

विवाद बढ़ला आ निष्पक्ष जांचक मांग उठला बाद राज्य सरकार संपूर्ण घटनाक्रमक जांच लेल न्यायिक आयोगक गठन केने छल। आयोग कें मुठभेड़क परिस्थिति, घटनाक्रम आ एकरा सं जुड़ल तथ्य सभक जांचक जिम्मेदारी देल गेल अछि।

मुख्यमंत्रीक ताजा घोषणा कें न्यायिक जांचक अंतरिम रिपोर्ट सं जोड़ि कए देखल जा रहल अछि। सरकारक एहि निर्णय सं पीड़ित परिवार कें किछु राहति भेटबाक आशा व्यक्त कएल जा रहल अछि।

भरत भूषण तिवारी प्रकरण कें लए बिहारक राजनीति सेहो गर्म रहल अछि। विपक्षी दल सभ पुलिस कारबाइ आ कानून-व्यवस्थाक मुद्दा पर सरकार पर निशाना साधने छल, जखनकि सरकारक दिस सं निष्पक्ष जांच कराबएबाक बाति कहल गेल छल।

आब न्यायिक जांचक अंतरिम रिपोर्टक आधार पर आर्थिक सहायता आ परिवारक एक सदस्य कें सरकारी नौकरी देबाक घोषणा सं ई मामिला एक बेर फेर राजनीतिक आ प्रशासनिक चर्चाक केंद्र मे आबि गेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

आर्थिक सहायतान्यायिक जांचपुलिस मुठभेड़बिहार समाचारबिहार सरकारभरत भूषण तिवारीभोजपुरराजनीतिसम्राट चौधरीसरकारी नौकरी
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

गढ़वा मे प्रधानाध्यापकक तबादलाक विरोध मे छात्र सभक प्रदर्शन, सड़क जाम आ पथराव मे पुलिसकर्मी घायल

Next

वैशाली मे ठेकेदारक गोली मारि हत्या, चारि अपराधी देलक घटनाक अंजाम

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech