बिहारक 2027 नव अफसर कें सीएम सम्राट देलनि नियुक्ति पत्र, कहलनि- एक हस्ताक्षर सं परिवारक भला होयत
पटना, समदिया
70म बीपीएससी मे सफल 2027 अफसर सभ कें मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी नियुक्ति पत्र देलनि। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री 70म बीपीएससीक दोसर टॉपर शशांक गौरव कें सबसं पहिने नियुक्ति पत्र देलनि। कार्यक्रमक दौरान मुख्यमंत्री नव नियुक्त अफसर सभ कें संबोधित सेहो केलनि।
मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कहलनि जे ई पदक संग सेवाक जिम्मेदारी सेहो अछि। अहां जाहि फाइल पर हस्ताक्षर करब, ताहि सं कोनो परिवारक भला भए सकैत अछि। एहि सं अहां सभक जीवन मे सेहो परिवर्तन आएत। ओ कहलनि जे नव अफसर सभ जतेक ईमानदार बनताह, बिहार ओतेक आगां बढ़ैत जाएत।
कार्यक्रम मे उपमुख्यमंत्री विजेंद्र यादव सेहो उपस्थित छलाह। एहि दौरान उपमुख्यमंत्री 2005 सं पहिनेका बिहारक चर्चा करैत कहलनि जे 2005 सं पहिने जखन एनडीएक सरकार नहि बनल छल, तखन राज्य मे नौकरीक कल्पना सेहो कम लोक करैत छलाह। मुदा नीतीश कुमारक सरकार बनलाक बाद राज्य मे लोक सभ कें नौकरी भेटए शुरू भेल।
उपमुख्यमंत्री कहलनि जे वर्तमान मे सम्राट चौधरीक नेतृत्व मे सरकार बनल अछि, त आओर बेसी लोक सभ कें नौकरी भेटत।
बीपीएससी 70म संयुक्त प्रतियोगिता परीक्षाक अंतिम परिणाम मे उत्तर प्रदेशक प्रतापगढ़ निवासी श्रद्धा पांडेय 593 अंक प्राप्त कए टॉप केलनि। शशांक गौरव आ आयुष विजॉय क्रमशः 592-592 अंकक संग दोसर आ तेसर स्थान पर रहलाह। दुनूक रैंकक निर्धारण निबंधक अंकक आधार पर कएल गेल।
एहि भर्ती मे कुल 2027 अभ्यर्थीक चयन भेल अछि, जखनकि 8 पद रिक्त रहि गेल। एहि पद सभ पर दिव्यांग अभ्यर्थी उपलब्ध नहि होएबाक कारण नियुक्ति नहि भए सकल।
बीपीएससीक एहि परिणाम मे महिला अभ्यर्थी सभक प्रदर्शन सेहो उल्लेखनीय रहल। टॉप-100 मे 45 महिला अभ्यर्थी शामिल छथि, जखनकि कुल चयनित अभ्यर्थी सभ मे करीब 745 महिला छथि। एकरा अतिरिक्त 333 चयनित अभ्यर्थी दोसर राज्यक निवासी छथि।
अनारक्षित वर्गक कटऑफ 528 अंक आ एससी वर्गक कटऑफ 493 अंक रहल। अंतिम परिणाम पीटी परीक्षा होएबाक करीब 18 मास बाद जारी कएल गेल। आयोग 20 जून कें सफल अभ्यर्थी सभक सूची जारी केने छल।