Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

आब एहि वर्ष नहि होयत पंचायत चुनाव, परिसीमन आ आरक्षण रोस्टर मे परिवर्तनक बाद होयत घोषणा

Avatar
By Samadiya Mithila
August 12, 2026 2 Min Read
0

 

  •  परिसीमन पूरा होयबा मे लागत छ: मासक समय
  •  एकर बाद आरक्षण रोस्टर आ मतदाता सूची पर होयत काज

पटना, समदिया

राज्य मे एहि वर्ष यानी 2026 मे पंचायत चुनाव होयबाक संभावना नहि अछि। राज्य निर्वाचन आयोग बिहार मे पंचायत चुनाव लेल परिसीमनक तैयारी शुरू कए देने अछि। परिसीमन शुरू करबा सं पहिने आयोग कें निश्चित दिशा-निर्देश तैयार करय पड़त। एहि निर्देशानुसार सभ जिला मे जिलाधिकारी अर्थात जिला निर्वाचन पदाधिकारीक माध्यम सं परिसीमनक काज कराओल जायत। परिसीमन पूरा भेलाक बाद पदवार आरक्षण निर्धारित करबाक, मतदाता सूची तैयार करबाक, मतदान केंद्र तय करबाक सहित अन्य प्रक्रिया पूरा कएल जायत। एहि सभ प्रक्रिया मे कतेको मासक समय लागि सकैत अछि।

बिहार पंचायत चुनावक परिसीमन कें लए कए राज्य निर्वाचन आयोगक स्तर पर बैसारक दौर शुरू भए गेल अछि। जानकार सभक अनुसार राज्य मे त्रिस्तरीय पंचायत आम चुनाव लेल परिसीमनक प्रक्रिया मे छह मास सं बेसी समय लागि सकैत अछि।

परिसीमनक बाद पदवार आरक्षण तय करबाक, मतदाता सूची तैयार करबाक, मतदान केंद्रक निर्धारण आ अन्य आवश्यक प्रक्रिया पूरा करबा मे करीब छह मास आरो लागि सकैत अछि। एहि तरहें पंचायत चुनावक पूरा प्रक्रिया शुरू होयबा मे करीब एक वर्षक समय लगबाक संभावना अछि। ताहि कारण बिहार मे पंचायत चुनाव आब 2027 मे कराओल जयबाक संभावना अछि।

2011 केर जनगणना आधार पर होयत परिसीमन

राज्य निर्वाचन आयोग नव मानकक अनुसार 2011 केर जनगणनाक आंकड़ाक आधार पर गाम सभक जनसंख्या आ भौगोलिक स्थितिक आकलन करत। तकर बाद बिहार पंचायत राज अधिनियम, 2006 केर प्रावधानक अंतर्गत ग्राम पंचायत क्षेत्र, प्रादेशिक निर्वाचन क्षेत्र, पंचायत समिति आ जिला परिषद क्षेत्रक सीमा निर्धारित कएल जायत।

एहि प्रक्रिया मे क्षेत्रक मानचित्र तैयार करबाक संग गणनाक काज सेहो होयत। ग्रामीण क्षेत्र लेल सीईबी ले-आउट मैप तैयार कएल जायत आ प्रखंडवार मतदाता तथा जनसंख्याक गणना कएल जायत। परिसीमनक क्रम मे अंतिम रूप सं गजटक प्रकाशन कए आम लोक सं आपत्ति आ सुझाव आमंत्रित कएल जायत। प्राप्त आपत्ति आ सुझावक निराकरणक बाद परिसीमनक प्रक्रिया पूरा कएल जायत।

परिसीमनक बाद बनत नव आरक्षण रोस्टर

पंचायत चुनाव क्षेत्रक परिसीमन मे जिलाधिकारी सभक भूमिका सेहो आयोग द्वारा निर्धारित कएल जायत। राज्य निर्वाचन आयोगक निर्देश आ पर्यवेक्षण मे सभ जिलाक जिला निर्वाचन पदाधिकारी सह जिलाधिकारी नव पंचायत क्षेत्रक घोषणा आ सीमांकनक काज पूरा कराओत।

परिसीमन पूरा भेलाक बाद नव आरक्षण रोस्टर तैयार कएल जायत। एहि मे अनुसूचित जाति (एससी), अनुसूचित जनजाति (एसटी), अत्यंत पिछड़ा वर्ग (ईबीसी) आ महिला सभ लेल सीट आरक्षणक अनुपात निर्धारित कएल जायत। नव क्षेत्रक गठनक आधार पर विभिन्न पदक आरक्षित सीट मे परिवर्तनक संभावना सेहो रहत।

एहि वर्ष समाप्त होयत पंचायतक कार्यकाल

राज्य मे पंचायती राज संस्था सभक वर्तमान कार्यकाल एहि वर्ष नवंबर-दिसंबर मे समाप्त होमय जा रहल अछि। ग्राम पंचायत, पंचायत समिति आ जिला परिषदक चुनाव अंतिम बेर 2021 मे सितंबर सं दिसंबरक बीच कराओल गेल छल। एहि कारण परिसीमन, आरक्षण, मतदाता सूची आ मतदान केंद्र निर्धारण सन प्रक्रिया कें पूरा करबा मे लागयबला समय कें देखैत एहि वर्ष पंचायत चुनाव होयबाक संभावना कम देखाइत अछि। चुनावक अगिला चरण 2027 मे होयबाक संभावना अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

आरक्षण रोस्टरघोषणापंचायत चुनावपरिवर्तनपरिसीमन
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

चलैत कोसी एक्सप्रेस ट्रेनक पहिया मे लागल आगि : एसी कोच मे भरल धुआं, बोगी खाली कराओल गेल; यात्री सभ कूदि बचौलनि जान

Next

चंद्रशेखरनक इस्तीफा सं टाटा समूहक शेयर धड़ाम, मार्केट कैप 68 हजार करोड़ रुपैया घटल

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech