चलैत कोसी एक्सप्रेस ट्रेनक पहिया मे लागल आगि : एसी कोच मे भरल धुआं, बोगी खाली कराओल गेल; यात्री सभ कूदि बचौलनि जान
सहरसा, समदिया
सहरसा मे चलैत हटिया-कोसी एक्सप्रेस ट्रेन (18625) आगिक चपेट मे आबए सं बाल-बाल बचि गेल। पूर्णिया कोर्ट सं सहरसा होइत हटिया (रांची) जाए बला कोसी एक्सप्रेस बुधदिन बर्निंग ट्रेन बनबा सं बचि गेल। तेज रफ्तार सं जा रहल ट्रेनक थर्ड एसी इकोनॉमी कोच एम-2 मे सोनवर्षा कचहरी आ सिमरी बख्तियारपुर स्टेशनक बीच धुआं भरि गेल।
कोसी एक्सप्रेसक पहिया सं आगिक लपट आ कोच मे धुआं भरैत देख यात्री सभ दहशत मे आबि गेलाह। भोर 5:30 बजे सिमरी बख्तियारपुर स्टेशन पर ट्रेन रुकिते यात्री सभ कोच सं बाहर दिश भागए लगलाह।
सिमरी बख्तियारपुर स्टेशन सं पहिने फाटक संख्या-19 पर तैनात गेटमैन एकटा कोच सं धुआं निकलैत आ नीचां पहिया लग आगिक लपट देख स्टेशन मास्टर कें फोन कए जानकारी देलनि।
ट्रेनक स्टेशन पहुंचिते स्टेशन मास्टर, आरपीएफ जवान सभ, चालक, सहायक चालक आ गार्ड अग्निशमन यंत्रक सहायता सं आगि बुझाबएबाक प्रयास केलनि। मुदा आगि नहि बुझला पर भोर 5:35 बजे दमकल विभाग कें सूचना देल गेल।
लगभग दस मिनट बाद पहुंचल दमकलक टीम पानीक छिड़काव कए आगि पर भोर 5:57 बजे काबू पओलक। जांच-पड़तालक बाद ट्रेन भोर 6:13 बजे पुनः रवाना भेल।
दमकलक फायरमैन संतोष कुमार कहलनि जे सूचना भेटिते टीम स्टेशन पहुंचल। जांच मे बोगीक नीचां ब्रेक पैड अत्यधिक गर्म भए लाल पड़ि गेल छल आ ओतहि सं धुआं आ आगि निकलि रहल छल। करीब आधा घंटाक प्रयासक बाद आगि पर पूर्ण रूप सं नियंत्रण पाओल गेल।
घटनाक संबंध मे समस्तीपुर रेल मंडलक डीआरएम ज्योति प्रकाश मिश्रा कहलनि जे ब्रेक मे तकनीकी खराबीक कारण पहिया मे आगि लागल छल। हुनका अनुसार घटनाक जांच कराओल जाएत आ दोषी पाओल जाए बला अधिकारी अथवा कर्मी विरुद्ध विभागीय कारबाइ कएल जाएत।
उल्लेखनीय अछि जे एहि सं लगभग 12 दिन पूर्व सेहो सिमरी बख्तियारपुर रेलवे स्टेशन पर समस्तीपुर-सहरसा मेमू ट्रेन (63344)क इंजन मे आगि लागि गेल छल। आगिक लपट एतेक तेज छल जे देखते-देखते आगि अगिला बोगी धरि पहुंचि गेल आ इंजन सहित एकटा बोगी पूर्ण रूप सं जरि गेल छल।
ओहि घटनाक दौरान ट्रेन प्लेटफॉर्म संख्या-2 पर ठाढ़ छल। इंजन सं धुआं निकलए शुरू भेल आ किछुए मिनट मे ई तेज आगि मे बदलि गेल। आगि आ धुआंक कारण यात्री सभ मे चीख-पुकार मचि गेल छल आ लोक अपन जान बचाबए लेल बोगी सं बाहर भागए लगल छलाह।