Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

अज्ञात वाहनक ठोकर सं बाइक सवार व्यक्तिक मृत्यु

Avatar
By Samadiya Mithila
August 13, 2026 1 Min Read
0

 

एनएच-107 पर भेल हादसा, पुलिस शव पोस्टमार्टम लेल पठौलनि

301

सिमरी बख्तियारपुर, सहरसा/समदिया

 

सिमरी बख्तियारपुर थाना क्षेत्रक बलवाहाट-सिमरी बख्तियारपुर एनएच-107 पर भौरा गामक समीप बुध देर सांझ अज्ञात वाहनक ठोकर सं बाइक सवार एक व्यक्ति गंभीर रूप सं घायल भए गेलाह। स्थानीय लोक सभ आनन-फानन मे हुनका इलाज लेल सिमरी बख्तियारपुर अनुमंडलीय अस्पताल पहुंचौलनि, जतय चिकित्सक जांचक बाद हुनका मृत घोषित कए देलनि। मृतकक पहचान बलवाहाट थाना क्षेत्रक सोनपुरा पंचायत अंतर्गत बसतपुर गाम निवासी 55 वर्षीय दीपनारायण यादवक रूप मे भेल अछि। घटना केर सूचना भेटिते स्वजन अस्पताल पहुंचलाह। मृत्यु केर खबर सुनिते परिवार मे कोहराम मचि गेल आ परिजनक रो-रो कए बुरा हाल भए गेल। बताओल जाइत अछि जे दीपनारायण यादव बुध कें बाइक सं कोनो काजक सिलसिला मे सिमरी बख्तियारपुर आयल छलाह। देर सांझ काज समाप्त कए ओ बाइक सं अपन घर बसतपुर लौटि रहल छलाह। एहि क्रम मे एनएच-107 पर भौरा गामक समीप विपरीत दिशा सं आबि रहल अज्ञात वाहन हुनकर बाइक मे जोरदार ठोकर मारि देलक। हादसा मे ओ सड़क पर खसि कए गंभीर रूप सं घायल भए गेलाह। घटना कए बाद आसपासक लोक घटनास्थल पर जुटि गेलाह आ घायल कें तत्काल अनुमंडलीय अस्पताल पहुंचौलनि। मुदा इलाज शुरू होयबाक किछुए देर बाद चिकित्सक हुनका मृत घोषित कए देलनि। घटनाक सूचना भेटलाक बाद बख्तियारपुर थाना पुलिस अधिकारी अमरजीत कुमार सिंह आ रामनाथ पासवान अस्पताल पहुंचलाह। पुलिस आवश्यक कागजी प्रक्रिया पूरा कए शव कें पोस्टमार्टम लेल सदर अस्पताल पठा देलक। अज्ञात वाहनक पहचान लेल पुलिस आसपासक लोक सं पूछताछ कए रहल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

after being hitBiker diesby an unknown vehicle
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

9 सूत्री मांग लए कए खेग्रामसक दू दिवसीय सत्याग्रह आंदोलन शुरू

Next

आजुक ईपेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech