Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

खेल

बीडब्ल्यूएफ विश्व चैंपियनशिप: सेमीफाइनल मे त्रिषा-गायत्री केर जोड़ी कें भेटल हारि, कांस्य पदक सं करए पड़ल संतोष

Avatar
By Samadiya Mithila
August 22, 2026 2 Min Read
0

नई दिल्ली। बीडब्ल्यूएफ विश्व चैंपियनशिप 2026 मे त्रिषा जॉली आ गायत्री गोपीचंद केर जोड़ी कें कांस्य पदक सं संतोष करए पड़ल अछि। महिला डबल्सक सेमीफाइनल मोकाबला मे शनिदिन भारतीय जोड़ी कें चीनक लियू शेंगशू आ तान निंग केर जोड़ी सं हारिक सामना करए पड़ल। 70 मिनट सं बेसी चलल एहि मोकाबला मे चीनी जोड़ी त्रिषा-गायत्री कें 18-21, 21-13, 21-8 सं पराजित कए फाइनल मे अपन स्थान पक्का कएलक।
एहि हारक संग त्रिषा आ गायत्रीक जोड़ी महिला डबल्सक फाइनल मे पहुंचनिहार पहिल गैर वरीयता प्राप्त जोड़ी बनबाक उपलब्धि सं चूकि गेल। मुदा सेमीफाइनल धरि पहुंचबाक संग हुनका सभ भारत लेल कांस्य पदक पक्का कए देने छलीह। ई विश्व चैंपियनशिप मे महिला डबल्स मे भारतक 2011क बाद पहिल पदक अछि।
सेमीफाइनल मुकाबलक शुरुआत त्रिषा आ गायत्रीक जोड़ी शानदार ढंग सं कएलनि। भारतीय जोड़ी चीनी जोड़ी पर लगातार दबाव बनबैत 7-2 केर बढ़त बना लेने छल। मुदा तकर बाद लियू शेंगशू आ तान निंग वापसी करैत लगातार अंक हासिल कएलनि आ ब्रेक धरि 11-7 केर बढ़त बना लेलनि। भारतीय जोड़ी फेर वापसी कएलक आ पहिल गेम 21-18 सं अपन नाम कए लेलक।
पहिल गेम हारलाक बाद चीनी जोड़ी दोसर गेमक शुरुआत सं हावी देखल गेल। ओ सभ 3-0 केर बढ़त बना लेलनि। त्रिषा आ गायत्री वापसी करैत ब्रेक धरि 9-8 केर बढ़त बना लेलनि। मोकाबला 12-12 केर बराबरी पर पहुंचल, मुदा एकर बाद चीनक जोड़ी लगातार आठ अंक हासिल कए गेम 21-13 सं जीत लेलनि।
तेसर गेम मे चीनी जोड़ी पूरा तरहे हावी रहल। ब्रेक धरि ओ सभ 11-5 केर बढ़त बना लेलनि। एकर बाद लियू शेंगशू-तान निंग लगातार 8 अंक हासिल कए फाइनल केर टिकट पक्का कए लेलनि। तेसर गेम 21-8 सं जीतबाक संग भारतीय जोड़ीक अभियान समाप्त भए गेल।
त्रिषा आ गायत्री एहि चैंपियनशिप मे ऐतिहासिक प्रदर्शन करैत महिला डबल्स मे भारतक 15 वर्षक पदकक इंतजार समाप्त कएलनि। क्वार्टर फाइनल मे हुनका सभ चारिम वरीयता प्राप्त चीनक जिया यी फान आ झांग शू शियान कें हरौने छलीह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

गायत्री गोपीचंदत्रिषा गायत्री कांस्य पदकत्रिषा गायत्री सेमीफाइनलत्रिषा जॉलीत्रिषा जॉली गायत्री गोपीचंदबीडब्ल्यूएफ चैंपियनशिप भारतबीडब्ल्यूएफ विश्व चैंपियनशिप 2026बैडमिंटन विश्व चैंपियनशिपभारत बैडमिंटनमहिला डबल्स बैडमिंटन
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

भारत- नेपाल सीमा जिला समन्वय समितिक बैसार आयोजित

Next

भाजपा केंद्रीय कार्यालय मे पीएम नरेंद्र मोदी नवगठित राष्ट्रीय टीमक पदाधिकारी सभ सं कएलनि भेंट

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • कोचिंग जा रहल 17 वर्षीय छात्रा कें अज्ञात वाहन पीचलक, घटनास्थल पर मृत्यु
  • टूटि गेल महागठबंधन! आठो सीट पर एमएलसी उम्मीदवार उतारत कांग्रेस
  • ब्रिक्सक साझा घोषणापत्र मे पहलगाम हमलाक निंदा, टेरर फंडिंग रोकबा पर देल गेल जोर
  • सीतामढ़ीमे पार्षद पतिक हत्या मामिला मे पैघ कारबाइ, थानाध्यक्ष मुकेश कुमार निलंबित

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • कोचिंग जा रहल 17 वर्षीय छात्रा कें अज्ञात वाहन पीचलक, घटनास्थल पर मृत्यु
  • टूटि गेल महागठबंधन! आठो सीट पर एमएलसी उम्मीदवार उतारत कांग्रेस
  • ब्रिक्सक साझा घोषणापत्र मे पहलगाम हमलाक निंदा, टेरर फंडिंग रोकबा पर देल गेल जोर
  • सीतामढ़ीमे पार्षद पतिक हत्या मामिला मे पैघ कारबाइ, थानाध्यक्ष मुकेश कुमार निलंबित

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech