भारत- नेपाल सीमा जिला समन्वय समितिक बैसार आयोजित
अंतरराष्ट्रीय सीमा क्षेत्र मे विधि व्यवस्था सुदृढ़ रखबाक आ सीमा सुरक्षा पर भेल चर्चा
सीतामढ़ी, समदिया
नेपालक महोत्तरी जिला स्थित जलेश्वर नगरपालिकाक सभाकक्ष मे भारत-नेपाल सीमा क्षेत्र सं संबंधित विभिन्न महत्वपूर्ण विषय पर विचार-विमर्श लेल भारत-नेपाल सीमा जिला समन्वय समिति की बैसार आयोजित कएल गेल। बैठकक अध्यक्षता महोत्तरीक मुख्य जिला अधिकारी इंद्रदेव यादव कएलनि। बैसार मे सीतामढ़ीक जिलाधिकारी तनय सुल्तानिया, पुलिस अधीक्षक अमित रंजन, रौतहट आ सर्लाहीक मुख्य जिला अधिकारीक संग संबंधित जिला सभक पुलिस आ प्रशासनिक पदाधिकारी उपस्थित छलाह। एकर अतिरिक्त सशस्त्र सीमा बलक 51म आ 20म वाहिनीक कमांडेंट सहित अन्य अधिकारी सेहो बैसार मे शामिल छलाह। बैठकक दौरान भारत-नेपाल अंतरराष्ट्रीय सीमा क्षेत्र मे विधि व्यवस्था सुदृढ़ रखबाक, सीमा सुरक्षाक व्यवस्था कें बेसी प्रभावी बनेबाक तथा दुनू देशक बीच नीक समन्वय स्थापित करबाक संबंध मे विभिन्न मुद्दा पर विस्तार सं चर्चा कएल गेल। बैसार मे जाली नोटक कारोबार, अवैध हथियारक तस्करी, मादक पदार्थ आ नशीला पदार्थक तस्करी, शराब, तंबाकू तथा अन्य प्रतिबंधित आ अवैध वस्तुक सीमा पार तस्करी पर प्रभावी नियंत्रणक उपाय पर गंभीरता सं विचार-विमर्श कएल गेल। संगहि सीमा पार अपराध पर नियंत्रण लेल दुनू देशक अधिकारीक बीच समन्वित कारबाइ पर जोर देल गेल। बैसार मे अत्यधिक वांछित अपराधीक धरपकड़, संदिग्ध व्यक्ति आ विदेशी नागरिकक अवैध आवाजाही पर रोक लगाबय, आपसी सूचनाक शीघ्र आदान-प्रदान तथा संयुक्त कारबाइ कें बेसी मजबूत बनेबाक सहमति बनल। अधिकारी सभ सीमा क्षेत्र मे शांति आ सुरक्षा व्यवस्था कायम रखबाक तथा कोनो प्रकारक अवांछित गतिविधि पर प्रभावी रोक लगाबय लेल निरंतर समन्वय बनौने रखबाक आवश्यकता पर जोर देलनि। एकर अतिरिक्त मानव तस्करी आ मादक पदार्थक तस्करीक रोकथाम, सीमा क्षेत्र मे अतिक्रमण सं संबंधित मामिला, सीमा स्तंभक सुरक्षा, नो मैंस लैंड मे अतिक्रमणक समस्या तथा अन्य स्थानीय आ सामान्य समस्या पर सेहो विस्तार सं चर्चा कएल गेल। दुनू देशक अधिकारी सभ सीमावर्ती क्षेत्र मे सक्रिय असामाजिक तत्व आ आपराधिक गतिविधिक विरुद्ध संयुक्त आ निरंतर कारबाइ जारी रखबाक सहमति व्यक्त कएलनि। बैसार मे सीमावर्ती थाना आ सुरक्षा एजेंसी कें पूर्ण सतर्कता बरतबाक तथा छोट सं छोट घटनाक सेहो गंभीरतापूर्वक लैत त्वरित कारबाइ सुनिश्चित करबाक निर्देश देल गेल। संगहि सीमा क्षेत्र मे आपसी सहयोग, विश्वास आ समन्वय कें बेसी मजबूत बनेबाक पर विशेष जोर देल गेल, जाहि सं भारत-नेपाल सीमा क्षेत्र मे शांति, सुरक्षा आ सौहार्दपूर्ण वातावरण कायम राखल जा सकय।