आफत बनि बरसि रहल बादल, समस्तीपुर मे गाछ खसला सं तीन बच्ची मरल
– अखन 27 सितंबर धरि अहिना रहत मौसिम, उफनय लागल अछि कोसी आ बागमती
– लगातार भए रहल बरखा सं शहर सबहक स्थिति भेल नारकीय, जगह-जगह जल भराव सं लोक परेशान
पटना, समदिया
राज्य मे लगातार बरखाक असरि आब जनजीवन पर स्पष्ट देखाइ पड़ि रहल अछि। शहर सं लए कए गाम धरि कतेको नीचला इलाका मे जलजमावक स्थिति बनल अछि। सड़क, गली आ बाजार मे पानि जमा भेलाक कारण लोकक आवागमन प्रभावित अछि। लगातार भए रहल बरखा सं समस्तीपुरक विभूतिपुर थाना क्षेत्रक चकबेदौलिया गाम मे बरखाक बीच पुरान बरक गाछ खसि पड़ला सं तीन स्कूली बच्चाक मृत्यु हेबाक समाचार अछि। गाछक चपेट मे आबि बच्चा सभ दबि गेलाह। घटना सं गाम मे शोकक माहौल अछि। लगातार बरखा आ तेज हवा मे पुरान गाछ खसबाक खतराक कारण लोकसभ कें सतर्क रहबाक जरूरत अछि।
एहि बीच 25 सितंबर कें सेहो बिहार मे भारी बरखाक संभावना अछि। भारत मौसम विज्ञान विभागक पटना केंद्रक 24 सितंबरक चेतावनी अनुसार 25 सितंबर कें राज्य मे भारी वर्षा संग गरज–चमकक स्थिति बनि सकैत अछि। 26 सितंबर कें सेहो भारी बरखाक चेतावनी अछि। 27 सितंबर कें गरज–चमकक संभावना बताओल गेल अछि।
एहन स्थिति मे पहिने सं जलजमाव भेल इलाका मे लोकक परेशानी बढ़ि सकैत अछि। खास कए मिथिला क्षेत्रक नीचला इलाका, शहरी क्षेत्रक जलनिकासी व्यवस्था आ नदीक कछेरक गाम पर नजरि राखब जरूरी भए गेल अछि। लगातार बरखा सं खेत मे पानि जमा रहला सं खरीफ फसिल पर सेहो असरि पड़बाक आशंका अछि।
नेपालक जल अधिग्रहण क्षेत्र मे भए रहल अछि भारी बरखा
ओतहि नेपालक जलग्रहण क्षेत्र मे सेहो मौसिम एखन सक्रिय अछि। नेपालक कोशी, बागमती आ मधेश क्षेत्र मे 24 सितंबर कें सेहो भारी बरखा दर्ज कएल गेल। नेपालक मौसम विभागक पूर्वानुमान अनुसार 25 सं 27 सितंबर धरि किछु क्षेत्र मे भारी सं बहुत भारी वर्षा भए सकैत अछि। एकर असरि नदी–नाला मे जलस्तर बढ़बाक रूप मे देखाइ पड़ि सकैत अछि। नेपालक तराई क्षेत्र मे सेहो जलजमाव आ नदीक पानि बढ़बाक खतराक चेतावनी देल गेल अछि।
नदीक जलस्तर पर राखल जा रहल निगरानी
राज्य मे नदीक स्थिति पर जल संसाधन विभाग द्वारा रियल–टाइम निगरानी कएल जा रहल अछि। विभागक 24 सितंबरक उपलब्ध आंकड़ा अनुसार कोसी बीरपुर (सुपौल) मे जलस्तर खतरा स्तर सं ऊपर 75.35 मीटर पर छल आ पानि बढ़ि रहल छल। कोसी बलतारा (खगड़िया) मे 34.08 मीटर जलस्तर अछि, जे खतरा स्तर 33.85 मीटर सं ऊपर अछि।
बागमती बेनीबाद (मुजफ्फरपुर) मे 48.02 मीटर जलस्तर चेतावनी स्तर 47.68 मीटर सं ऊपर अछि। गंडक डुमरियाघाट (गोपालगंज) मे 61.84 मीटर जलस्तर चेतावनी स्तर सं ऊपर अछि आ बढ़बाक प्रवृत्ति मे अछि। गंडक लालगंज मे सेहो जलस्तर चेतावनी स्तर सं ऊपर अछि। बूढ़ी गंडक खगड़िया मे 36.03 मीटर पर अछि, जे चेतावनी स्तर 35.58 मीटर सं ऊपर अछि।
गंगा सेहो किछु प्रमुख घाट पर चेतावनी स्तर सं ऊपर अछि। पटना स्थित हाथीदह मे 41.27 मीटर, गांधीघाट मे 48 मीटर आ भागलपुरक कहलगांव मे 31.03 मीटर जलस्तर दर्ज कएल गेल अछि। सुल्तानगंज मे गंगाक जलस्तर 35.35 मीटर, खतरा स्तर 34.50 मीटर सं ऊपर अछि।
एहि परिस्थिति मे अगिला 24-48 घंटा महत्वपूर्ण मानल जा रहल अछि। लगातार बरखा आ नेपाल दिस सं जलप्रवाह बढ़ल तं कोसी, बागमती आ गंडकक जलस्तर पर दबाव बढ़ि सकैत अछि। तें तटबंध, नदीक जलस्तर, जलनिकासी आ नीचला इलाकाक स्थिति पर प्रशासन द्वारा लगातार निगरानी राखल जा रहल अछि।