Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

सुरक्षित रोजगार आ प्रवासन लेल मिथिला हाट मे क्षेत्रीय स्तरीय परामर्श कार्यशाला

Avatar
By Samadiya Mithila
September 24, 2026 2 Min Read
0

 

  • सुरक्षित रोजगार मार्गदर्शिका कें बेसी प्रभावकारी बनेबाक लेल भेल विचार-विमर्श

 

झंझारपुर, समदिया

घोघरडीहा प्रखंड स्वराज्य विकास संघ द्वारा डब्ल्यूएचएच-ईयू समर्थित परियोजनाक अंतर्गत बृहस्पति कें अररिया संग्राम स्थित मिथिला हाट मे सुरक्षित रोजगार आ प्रवासन विषय पर क्षेत्रीय स्तरीय परामर्श कार्यशालाक आयोजन कएल गेल। दीप प्रज्वलनक संग कार्यशालाक शुभारंभ भेल। कार्यशाला मे सुरक्षित प्रवासनक विभिन्न पक्ष पर विस्तारपूर्वक विचार-विमर्श कएल गेल। संगहि, सुरक्षित रोजगार मार्गदर्शिका कें बेसी सरल, व्यवहारिक आ समुदायक आवश्यकता अनुरूप बनेबाक लेल हितधारक सभ सं सुझाव लेल गेल। कार्यशाला मे श्रम विभाग, कृषि विज्ञान केंद्र, नागरिक समाज संगठन, सामुदायिक संगठन, सामाजिक संस्था आ समुदाय प्रतिनिधि सभ भाग लेलनि। कार्यक्रम मे मुख्य रूप सं उप श्रम आयुक्त दरभंगा राकेश रंजन, कृषि विज्ञान केंद्र सुखेतक निदेशक सह वरिष्ठ वैज्ञानिक डॉ. एस.के. गंगवार, स्वराज्य विकास संघक मुख्य कार्यपालक पदाधिकारी सह परियोजना निदेशक रमेश कुमार, श्रम प्रवर्तन पदाधिकारी झंझारपुर चंदन कुमार गुप्ता, श्रम प्रवर्तन पदाधिकारी अंधराठाढ़ी अमित कुमार, श्रम प्रवर्तन पदाधिकारी फुलपरास सरफराज अहमद खान, अवर निरीक्षक झंझारपुर श्रेया शालिनी, मुख्य संरक्षक मो. सदुल्लाह, अमर त्रिसला सेवा आश्रम मुजफ्फरपुरक रंजीत कुमार, कोसी प्रहरी सुपौलक प्रमोद कुमार आ परियोजना समन्वयक मो. अताउल्लाह सहित विभिन्न संगठनक प्रतिनिधि उपस्थित छलाह। कार्यशाला मे सुरक्षित आ सूचित प्रवासन, रोजगारक लेल पलायन करयवला श्रमिक सभक समक्ष आबयवला कठिनाइ, श्रम अधिकार, रोजगार सं जुड़ल जोखिम, प्रवासन सं पूर्व आवश्यक जानकारी तथा सरकार द्वारा उपलब्ध सेवा आ सहायता तंत्र सन विषय पर गहन विचार-विमर्श भेल। प्रतिभागी सभ अपन क्षेत्रीय आ सामुदायिक अनुभवक आधार पर कहलनि जे सुरक्षित रोजगार मार्गदर्शिका एहन भाषा मे होबाक चाही, जाहि सं संभावित आ वर्तमान प्रवासी श्रमिक सभ धरि एकर जानकारी सहज रूप सं पहुंचि सकय।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आफत बनि बरसि रहल बादल, समस्तीपुर मे गाछ खसला सं तीन बच्ची मरल

Next

25 सितंबर सं पंचायत आ वार्ड स्तर पर लागत सेवा सेतु शिविर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech