Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

देश-दुनिया

कॉकरोच पार्टी 16 अक्टूबर कें दिल्ली मे प्रदर्शन करत: दीपके कहलनि- जेल मे डालि दिअ, परवाह नहि; सौरव-आशुतोष 5 दिन लेल तिहाड़ पठाओल गेलाह

Avatar
By Samadiya Mithila
October 14, 2026 2 Min Read
0

 

 

दिल्ली। कॉकरोच जनता पार्टी (सीजेपी) के संस्थापक अभिजीत दीपके 16 अक्टूबर कें दिल्ली मे प्रदर्शन करबाक घोषणा कयलनि। दीपके बुधदिन वीडियो संदेश जारी क’ कहलनि जे सभ लोक 16 अक्टूबर कें सांझ 5 बजे तिरंगा ल’ क’ कनॉट प्लेस पहुंचथि। ओ कहलनि, “ओ सभ हमरा जेल मे सेहो डालि सकैत छथि, मुदा हमरा एकर कोनो परवाह नहि अछि।”

दीपके बुधदिन दुपहर मे दिल्ली पहुंचल छलाह। एयरपोर्ट सं बाहर निकलैत काल भीड़ हुनका पर चिचिया रहल छल। एक यात्री कहलनि, “भाइ, देश कें खराब किएक क’ रहल छह?” एहि पर दीपके केवल अंगूठा ऊपर करबाक इशारा कयलनि आ चुपचाप चलि गेलाह।

ओम्हर, सीजेपी प्रवक्ता आशुतोष रांका आ सौरव दास कें दिल्लीक विशेष अदालत 5 दिनक न्यायिक हिरासत मे तिहाड़ जेल पठा देलक। दुनू गोटे कें मंगलदिन भोर जंतर-मंतर पर प्रदर्शनक दौरान हिरासत मे लेल गेल छल।

सीजेपी कें मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमारक इस्तीफाक मांग आ विशेष गहन पुनरीक्षण (एसआईआर) पर रोक लगयबाक मांग कें ल’ क’ 10 अक्टूबर कें जंतर-मंतर पर प्रदर्शन करबाक आह्वान कयने छल। पुलिस सीजेपी संस्थापक अभिजीत दीपके, प्रवक्ता सौरव दास आ आशुतोष रांका कें दिल्ली एयरपोर्ट पर विमान सं उतारले जाइत काल हिरासत मे लेने छल।

तीनू गोटे कें 11 अक्टूबर कें दिल्ली कैंटक विशेष कार्यकारी मजिस्ट्रेट अदालत मे पेश कयल गेल छल। एकर बाद हुनका सभ कें 50-50 हजार टाकाक जमानती मुचलका पर रिहा क’ देल गेल।

रिहाईक शर्तक अनुसार, तीनू गोटे कें एक साल तक शांति बनौने रखबाक आ एहन कोनो काज नहि करबाक छलनि जाहि सं शांति भंग हो। एहि लेल बॉन्ड पर हस्ताक्षर करबाक बात सेहो सोझां आयल छल।

12 अक्टूबर: जंतर-मंतर पर प्रदर्शन पर रोक

केंद्र सरकार 12 अक्टूबर कें दिल्लीक जंतर-मंतर कें निर्धारित प्रदर्शन स्थल सभक सूची सं हटा देलक। करीब 33 साल पहिने जंतर-मंतर कें प्रदर्शन करबाक लेल निर्धारित स्थल सभ मे शामिल कयल गेल छल। एतहि अन्ना आंदोलन, पहलवान सभक प्रदर्शन आ कॉकरोच पार्टीक धरना भेल छल।

गृह मंत्रालय द्वारा गठित समितिक सिफारिश पर दिल्लीक रामलीला मैदान, बुराड़ी मैदान आ पूर्वी दिल्लीक सीबीडी मैदान कें प्रदर्शन स्थल बनाओल गेल अछि।

सीजेपी 12 अक्टूबर कें मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमारक इस्तीफा आ एसआईआर पर रोक लगयबाक मांग कें ल’ क’ जंतर-मंतर पर प्रदर्शन करबाक अनुमति मांगने छल, मुदा पुलिस अनुमति देबासं इनकार क’ देलक।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

अकौरक अंकुरित भगवतीक दरबार मे भक्तक अटूट आस्था, दर्शन कए खाली हाथ नहि लौटैत छथि श्रद्धालु

Next

बेनीपट्टी मे एनबीएफसी कर्मीक कथित अपहरण कांडक त्वरित उद्भेदन, 5 अभियुक्त गिरफ्तार

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech