Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

बेनीपट्टी मे एनबीएफसी कर्मीक कथित अपहरण कांडक त्वरित उद्भेदन, 5 अभियुक्त गिरफ्तार

Avatar
By Samadiya Mithila
October 14, 2026 2 Min Read
0

 

मधुबनी, समदिया

मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी थाना क्षेत्र मे एनबीएफसी कर्मी राहुल रंजनक कथित अपहरण कांडक पुलिस त्वरित उद्भेदन कयलक अछि। अपहृत युवक कें घटना के मात्र 3-4 घंटाक भीतर सकुशल बरामद क लेल गेल। एहि मामिला मे घटना मे संलिप्त 5 अभियुक्त कें गिरफ्तार कयल गेल अछि। पुलिसक अनुसार, 13 अक्टूबर कें सूचना भेटल जे ग्रामीण क्रेडिट एक्सिस एनबीएफसी शाखा मे कार्यरत शाखा प्रबंधक राहुल रंजन कें किछु अज्ञात व्यक्ति कार्यालय सं जबरदस्ती उठा लेने अछि। सूचना भेटिते बेनीपट्टीक अनुमंडल पुलिस पदाधिकारीक नेतृत्व मे पुलिस बल घटनास्थल पर पहुंचि मामिलाक जांच शुरू कयलक।

जांच आ सत्यापनक क्रम मे ई बात सोझां आयल जे मामिला फिरौती वा सामान्य अपहरणक नहि, बल्कि प्रेम-प्रसंग आ कथित अवैध संबंध सं जुड़ल अछि। पुलिसक अनुसार, राहुल रंजन अपनहि गामक एकटा दोसर विवाहित युवतीक संग पहिने सं मोतिहारी मे रहैत छलाह। एहि बात सं आक्रोशित युवतीक सासुर पक्षक लोक बेनीपट्टी स्थित एनबीएफसी शाखा पहुंचि राहुल रंजनक संग मारिपीट कयलनि आ युवतीक पता लगयबाक उद्देश्य सं हुनका जबरदस्ती मोतिहारी लए गेलाह। मामिलाक गंभीरता कें देखैत वरीय पुलिस अधीक्षक, मधुबनीक निर्देश पर पुलिसक विशेष टीम गठित क मोतिहारी पठाओल गेल। बेनीपट्टी पुलिस तत्परता देखबैत घटना क मात्र 3-4 घंटाक भीतर राहुल रंजन कें सकुशल बरामद क लेलक। हुनका संग रहैत युवती कें सेहो सुरक्षित बरामद कयल गेल। पुलिसक कहब अछि जे कार्यालय मे मारिपीट क युवक कें जबरदस्ती लए जायबला सभ अभियुक्त कें गिरफ्तार क लेल गेल अछि। पूछताछक क्रम मे अभियुक्त सभ अपन अपराध स्वीकार कयलनि। एहि मामिला मे सुसंगत धाराक अंतर्गत प्राथमिकी दर्ज क गिरफ्तार अभियुक्त सभ कें न्यायिक हिरासत मे पठेबाक प्रक्रिया चलि रहल अछि। बरामद युवती आ युवकक बयान माननीय न्यायालय मे दंडाधिकारीक समक्ष दर्ज कराओल जायत। ई बयान दंड प्रक्रिया संहिता (सीआरपीसी)क धारा 164 अथवा भारतीय नागरिक सुरक्षा संहिता (बीएनएसएस)क सुसंगत प्रावधानक अंतर्गत दर्ज कराओल जायत। बयानक आधार पर आगूक कानूनी कारबाइ कयल जायत।

 

  • गिरफ्तार अभियुक्त सभक नाम

गिरफ्तार अभियुक्त सभ मे समस्तीपुर जिलाक उजियारपुर थाना क्षेत्रक चांदचोर बाजितपुर निवासी अशोक कुमार, मुसरीघरारी थाना क्षेत्रक फतेहपुर बला निवासी पवन कुमार, एनएच बंगरा थाना क्षेत्रक रजवा निवासी राजा कुमार आ ताजपुर थाना क्षेत्रक कसबे आहर निवासी मो. फिरोज (स्कॉर्पियो चालक) शामिल अछि। एहि अतिरिक्त वैशाली जिलाक बलीगांव थाना क्षेत्रक अख्तियारपुर निवासी विशाल कुमार कें सेहो गिरफ्तार कयल गेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

कॉकरोच पार्टी 16 अक्टूबर कें दिल्ली मे प्रदर्शन करत: दीपके कहलनि- जेल मे डालि दिअ, परवाह नहि; सौरव-आशुतोष 5 दिन लेल तिहाड़ पठाओल गेलाह

Next

ग्रामीण सभक अटूट आस्था आ परंपराक प्रतीक अछि लोहनाक दुर्गा पूजा

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech