ग्रामीण सभक अटूट आस्था आ परंपराक प्रतीक अछि लोहनाक दुर्गा पूजा
छिटटोल लोहना मे 101 बरख सं भए रहल अछि मां दुर्गाक पूजा
मधुबनी, समदिया
लोहना प्रखंडक छिटटोल लोहना गाम मे विगत 101 बरख सं लगातार मां दुर्गाक पूजा-अर्चना होइत आबि रहल अछि। एतुक्का दुर्गा पूजा ग्रामीण सभक अटूट आस्था आ पारंपरिक धार्मिक परंपराक प्रतीक बनि गेल अछि। पं. भैरव झा चुनचुन बतौलनि जे हुनकर पिता स्व. पं. भवेंद्रनाथ झा जखन 15 वर्षक छलाह, तखन ओ स्वयं मां दुर्गाक प्रतिमा बना पूजा शुरू कयने छलाह। हुनकर कहब छलनि जे बरख 1926 मे पूजाक शुरुआत भेल। पहिल दू बरख धरि पं. भवेंद्रनाथ झा स्वयं प्रतिमा बनबैत छलाह। तकर बाद दोसर मूर्तिकार सभ प्रतिमा बनेबाक काज करैत रहलाह। विगत 35 बरख सं लोहटक महादेव पंडित एतय मां दुर्गा सहित अन्य देवी-देवताक प्रतिमा बनबैत छथि। मुख्य पुजारी पं. पराशर मिश्र आ पं. गुणीनाथ मिश्रा गुलाब बतौलनि जे कलश स्थापनाक संगहि मां भगवतीक दर्शन लेल पट खोलि देल जाइत अछि। पं. चंद्रमोहन झा कहलनि जे शारदीय नवरात्रक पहिल दिनहि सं आसपासक गामक श्रद्धालु सभक आगमन शुरू भए जाइत अछि। हजारो श्रद्धालु एतय आबि मां दुर्गाक पूजा-अर्चना करैत छथि।
पूजाक अवसर पर नागेशनाथ झा बिट्टू, सुक विनायक, सुंदरम कुमार झा सहित गामक लोक सभ सहयोग करैत छथि। पहिल दिनहि सं सामूहिक रूप सं सकरादाय स्तुतिक पाठ होइत अछि। एहि पाठ मे पं. पवन चौधरी, हरिश्चंद्र चौधरी सहित कतेको पंडित भाग लैत छथि। मां दुर्गाक जयकारा आ वैदिक मंत्रोच्चार सं पूरा गामक वातावरण भक्तिमय बनल रहैत अछि। एक शताब्दी सं बेसी पुरान ई परंपरा आइयो ग्रामीण सभक धार्मिक आस्था आ सामूहिक सहभागिताक संग निरंतर आगू बढ़ि रहल अछि।