Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

दरभंगा एयरपोर्ट पर दिल्ली-मुंबईक उड़ान रद्द, एयरपोर्ट पहुंचल यात्र सभ कें लौटय पड़ल घर

Avatar
By Samadiya Mithila
August 24, 2026 1 Min Read
0

 

दरभंगा। दरभंगा एयरपोर्ट सं सोमदिन दिल्ली आ मुंबई लेल संचालित स्पाइसजेटक उड़ान रद्द रहल, जाहि सं एयरपोर्ट पहुंचल यात्रु सभ कें वापस लौटए पड़ल। सोमदिन मात्र छह विमानक आवागमन भेल। अकासा एयरक उड़ान सभ निर्धारित समय सं पहिने पहुंचल, जखनकि इंडिगोक उड़ान विलंब सं दरभंगा पहुंचल।

सोमदिन दरभंगा सं दिल्ली आ मुंबई लेल स्पाइसजेटक उड़ान रद्द रहल। फ्लाइट रद्द होयबाक सूचना विमानन कंपनी द्वारा यात्रु सभ कें पहिने दए देल गेल छल। एहि बावजूद दिल्ली आ दरभंगाक बीच स्पाइसजेटक उड़ान सं यात्रा करबाक लेल करीब 15 सं 20 यात्रु एयरपोर्ट पहुंचि गेलाह। उड़ान रद्द होयबाक जानकारी भेटला पर हुनका सभ कें वापस घर लौटए पड़ल।

सोमदिन दरभंगा एयरपोर्ट सं दिल्ली आ बेंगलुरुक बीच मात्र छह विमानक आवागमन भेल। दोसर शहर लेल कोनो उड़ान उपलब्ध नहि रहल। एहि कारण एयरपोर्ट पर विमानक लैंडिंग आ टेकऑफक संग यात्रु सभक आवाजाही सेहो सामान्य दिनक अपेक्षा कम रहल।

दिल्ली सं दरभंगा आबि रहल अकासा एयरक उड़ान क्यूपी 1405 निर्धारित समय भोर 10:55 बजे सं 28 मिनट पहिने एयरपोर्ट पहुंचि गेल। ओतहि बेंगलुरु सं दरभंगा आबि रहल अकासा एयरक उड़ान क्यूपी 1513 सेहो निर्धारित समय दुपहर 12:10 बजे सं 15 मिनट पहिने पहुंचल।

दिल्ली सं दरभंगा आबि रहल इंडिगोक उड़ान 6ई360 निर्धारित समय दुपहर 3 बजे केर बदला करीब एक घंटा 10 मिनट विलंब सं सांझ 4:10 बजे दरभंगा पहुंचल।

उड़ानक संख्या कम रहला सं एयरपोर्ट पर यात्रु सभक चहल-पहल सेहो अपेक्षाकृत कम रहल। सोमदिन एयरपोर्ट पर दिनभर सीमित उड़ान संचालनक असर यात्रुक संख्यापर स्पष्ट रूप सं देखल गेल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

अकासा एयर दरभंगाइंडिगो दरभंगादरभंगा एयरपोर्टदरभंगा एयरपोर्ट न्यूजदरभंगा एयरपोर्ट फ्लाइटदरभंगा दिल्ली फ्लाइटदरभंगा फ्लाइट कैंसिलदरभंगा मुंबई फ्लाइटदरभंगा विमान सेवास्पाइसजेट फ्लाइट रद्द
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

मधेपुराक सिंहेश्वर मंदिर मे अफरातफरीक स्थिति: साओनक अंतिम  सोमवारी पर श्रद्धालु आ पुलिसकर्मी घायल, आब स्थिति सामान्य

Next

कोलंबो टेस्ट: भारत ने 503/9 पर पहिल पारी घोषित कएलक, दोसर दिन श्रीलंका 8 रन पर 2 विकेट गमेलक

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सीएम सम्राट चौधरी 6 बाढ़ि प्रभावित जिलाक कएलनि हवाई सर्वेक्षण
  • स्वास्थ्य मंत्री निशांत सीतामढ़ी आ शिवहरक पार्टी पदाधिकारी सभ सं कएलनि भेंट
  • बीपीएससी छात्र सभ कें कहलक कुकुर, विवाद बढ़ल तं मंगलक माफी
  • अपन फैसला सं पलटल सरकार, छात्र सभ कें भेटैत रहत 4 लाखक लोन

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सीएम सम्राट चौधरी 6 बाढ़ि प्रभावित जिलाक कएलनि हवाई सर्वेक्षण
  • स्वास्थ्य मंत्री निशांत सीतामढ़ी आ शिवहरक पार्टी पदाधिकारी सभ सं कएलनि भेंट
  • बीपीएससी छात्र सभ कें कहलक कुकुर, विवाद बढ़ल तं मंगलक माफी
  • अपन फैसला सं पलटल सरकार, छात्र सभ कें भेटैत रहत 4 लाखक लोन

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech