Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

दरभंगाक बहेड़ी मे शिक्षिका सं 50 हजार झपटलक, ठेकेदार सं मांगल गेल एक लाख रंगदारी

Avatar
By Samadiya Mithila
August 23, 2026 2 Min Read
0

 

दरभंगा। बहेड़ी थाना क्षेत्र मे लगातार दू दिन मे दू पैघ आपराधिक घटना सं लोकक चिंता बढ़ि गेल अछि। एक दिस बैंक सं रुपैया निकालि घर लौटि रहल शिक्षिका सं बाइक सवार बदमाश 50 हजार रुपैया आ मोबाइल झपटि कए फरार भए गेल, जखनकि दोसर दिस हाईस्कूल मे निर्माण काज करा रहल ठेकेदार सं कट्टा देखा कए एक लाख रुपैयाक रंगदारी मांगल गेल।

रंगदारी मांगयबला मे सं एकटा व्यक्ति सं कर्मचारि सभ कट्टा छीनि कए पुलिस कें सौंपि देलनि। दुनू मामिला मे पुलिस प्राथमिकी दर्ज कए जांच शुरू कए देने अछि।

नगर पंचायत बहेड़ी स्थित प्लस टू शांति नायक उच्च विद्यालयक शिक्षिका बहेड़ी निवासी संगीता कुमारी पुलिस कें कहलनि जे ओ 21 अगस्तक दुपहरिया करीब 12 बजे भारतीय स्टेट बैंकक बहेड़ी शाखा सं 50 हजार रुपैया निकालि घर लौटि रहल छलीह। घर लग गली मे पहुंचितहि बाइक सवार एक युवक हुनकर हाथ सं रुपैया बला थैली आ मोबाइल झपटि लेलनि आ तेजी सं फरार भए गेल।

शिक्षिका द्वारा शोर मचेला पर आसपासक लोक जुटलाह, मुदा ता धरि आरोपित भागि चुकल छल। थानाध्यक्ष सूरज कुमार गुप्ता कहलनि जे प्राथमिकी दर्ज कए लेल गेल अछि। बैंक आ आसपास लगाओल सीसीटीवी कैमरा केर फुटेज खंगालल जा रहल अछि। शीघ्र आरोपित केर पहचान करबाक प्रयास कएल जा रहल अछि।

ठेकेदार सं कट्टा देखा कए मांगल एक लाख रंगदारी

दोसर घटना 22 अगस्तक दुपहरिया कुंवर रंजीत गामक अछि। निजी मोबाइल कंपनी मे काज करयबला हरिनगर निवासी मनोज कुमार यादव चारि नामजद सहित आठ-दस अज्ञातक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज करौने छथि। ओ कहलनि जे कुंवर रंजीत हाईस्कूल मे लैब रूमक निर्माण काज चलि रहल अछि। एहि दौरान कालीचरण यादव उर्फ राजन यादव अपन सहयोगी सभक संग ओतय पहुंचल आ कट्टा देखा कए एक लाख रुपैयाक रंगदारी मांगए लागल।

आरोपित सभ निर्माण स्थल पर लागल शटरिंग मे तोड़फोड़ सेहो कएलनि। बाद मे मुंशी कुंदन कुमार यादव आ चालक अमरजीत कुमार कें हरिनगर स्कूल लग रोकि कए रंगदारी देबाक धमकी देल गेल। आरोप अछि जे कालीचरण कमर सं कट्टा निकालि दुनू कें डरौलनि।

एहि दौरान कर्मचारि सभ आरोपित सं कट्टा छीनि लेलनि आ शोर मचौलनि। ग्रामीण सभक जुटला पर कालीचरण भागि गेल। सूचना भेटला पर पुलिस हुनकर घर पर छापेमारी कएलक, मुदा ओ फरार भेटल।

बरामद कट्टा पुलिस कें सौंपि देल गेल अछि। प्राथमिकी मे दू-तेसर नाबालिगक सेहो शामिल होयबाक बात कहल गेल अछि। पुलिस वीडियो साक्ष्यक आधार पर मामिलाक जांच कए रहल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

कट्टा देखा कए रंगदारीठेकेदार सं रंगदारीदरभंगा आपराधिक घटनादरभंगा क्राइम न्यूजदरभंगा मे अपराधदरभंगा समाचारबहेड़ी अपराधबहेड़ी पुलिसबहेड़ी रंगदारीशिक्षिका सं 50 हजार झपटल
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

निशांत कहलनि-‘मां जानकीक जन्मभूमि कें नमन करैत छी’

Next

बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड बला कॉलेज पर सरकारक सख्ती, आब हर संस्थानक होयत जांच

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech