बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड बला कॉलेज पर सरकारक सख्ती, आब हर संस्थानक होयत जांच
पटना। बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना सं जुड़ल शिक्षण संस्थान कें लए राज्य सरकार सख्ती बढ़ा देने अछि। योजना मे शामिल निजी शिक्षण संस्थानक आब भौतिक जांच होयत। शिक्षा विभाग सभ संबंधित संस्थान, कॉलेज आ विश्वविद्यालयक जांच लेल जिला स्तर पर समिति गठित करबाक निर्देश देने अछि।
ई जांच शैक्षणिक सत्र 2026-27 कें ध्यान मे राखि कए कएल जा रहल अछि। निजी संस्थान मे आधारभूत सुविधा संग शैक्षणिक वातावरणक सेहो जांच होयत। संस्थान मे जमीन, भवन आ पढ़ाइक लेल उपलब्ध सुविधाक स्थिति देखल जाएत।
शिक्षा विभाग संस्थान सभ कें नैक सं कम सं कम सी ग्रेड प्राप्त करबाक दिस पहल करबाक कहलनि अछि। एकर अतिरिक्त राष्ट्रीय संस्थागत रैंकिंग फ्रेमवर्क (एनआईआरएफ) केर वार्षिक रैंकिंग मे स्थान प्राप्त करबाक अथवा राष्ट्रीय प्रत्यायन बोर्ड सं मान्य पाठ्यक्रम संचालित करबाक दिस सेहो जरूरी कदम उठेबाक कहल गेल अछि।
संबंधित संस्थान कें निर्धारित पोर्टल पर जरूरी जानकारी आ दस्तावेज उपलब्ध कराबय पड़त। एहि लेल 1 सितंबर सं 30 नवंबर 2026 धरि समय देल गेल अछि।
संस्थान दिस सं उपलब्ध कराओल दस्तावेजक आधार पर जांच कएल जाएत। जिला शिक्षा पदाधिकारीक अध्यक्षता मे गठित समिति ई जांच करत। जरूरत पड़ला पर भूमि आ भवन सं संबंधित जानकारी रखनिहार अधिकारी सभ कें सेहो समिति मे शामिल कएल जा सकैत अछि।
विभाग सभ जिला मे संबंधित संस्थानक स्थलीय जांच 30 दिसंबर धरि पूरा करबाक निर्देश देने अछि।
बीपीएससी अंकेक्षक सेवा केर प्रारंभिक परीक्षा परिणाम जारी
बिहार लोक सेवा आयोग (बीपीएससी) शनिचर दिन पंचायती राज विभागक अंतर्गत अंकेक्षक सेवा केर प्रारंभिक परीक्षा केर परिणाम जारी कएलक। परिणाम आयोगक वेबसाइट पर उपलब्ध अछि। परीक्षा मे कुल 1248 अभ्यर्थीक चयन मुख्य परीक्षा लेल कएल गेल अछि।
परीक्षा मे सामान्य वर्गक कटऑफ सब सं बेसी 92 अंक रहल। श्रेणीवार सफल अभ्यर्थी मे अनारक्षित वर्गक 702, आर्थिक रूप सं कमजोर वर्गक 138, अनुसूचित जातिक 148, अत्यंत पिछड़ा वर्गक 105 आ पिछड़ा वर्गक 105 अभ्यर्थी शामिल छथि। पिछड़ा वर्गक महिला श्रेणी सं 39 अभ्यर्थी सफल भेल छथि।
दिव्यांगताक आधार पर भेटयबला क्षैतिज आरक्षणक अंतर्गत कुल 35 अभ्यर्थी सफल भेल छथि। ओतहि भूतपूर्व स्वतंत्रता सेनानीक नाती-नातिन आ पोता-पोती कोटा मे 20 अभ्यर्थीक चयन भेल अछि।