- छापामारी मे विधायकक आवास सं भेटल कतेको दस्तावेज
-
खाली स्टांप पेपर सेहो बरामद कएल गेल
सीतामढ़ी, समदिया
मुजफ्फरपुर मे जमीन विवाद सं जुड़ल मामिला मे सीतामढ़ीक बेलसंड सं लोजपा (रामविलास) विधायक अमित कुमार रानूक मुजफ्फरपुर स्थित आवास पर रविदिन भोर पुलिस छापेमारी कएलक। पुलिस न्यायालय सं तलाशी वारंट प्राप्त कएलाक बाद ई कारबाइ कएलक अछि। पुलिसक अनुसार, विधायकक आवासक तलाशीक दौरान अलग-अलग साझेदारी समझौता, बैंक खाता सं संबंधित पेपर, वाहनक दस्तावेज आ वर्ष 2017 केर खाली स्टांप पेपर बरामद भेल अछि। बरामद सभ कागजक जांच-पड़ताल कएल जा रहल अछि। खाली स्टांप पेपर भेटलाक मामिला मे सेहो विधिसम्मत कारबाइ करबाक तैयारी चलि रहल अछि।
जमीनक घेराबंदी तोड़बाक मामिला मे 13 केस
मुजफ्फरपुरक एसएसपी कांतेश कुमार मिश्रा बतौलनि जे अहियापुर थाना क्षेत्रक उगनडीह मे 20 अगस्त कें जमीनक घेराबंदी तोड़ल गेल छल। एहि घटनाक संबंध मे एखन धरि 13 अलग-अलग मामिला दर्ज कएल जा चुकल अछि। पुलिस एहि मामिला मे दू आरोपी कें गिरफ्तार कए जेल पठा चुकल अछि। एसएसपीक अनुसार, जांच आगू बढ़लाक बाद विधायकक भाय सोनू सिंहक भूमिका सेहो सोझां आयल अछि। पुलिसक दावा अछि जे सोनू सिंह किछु युवकक संग घटनास्थल पर पहुंचल छलाह आ जमीनक घेराबंदी तोड़बाक कारबाइ मे शामिल छलाह। घटना सं संबंधित वीडियो फुटेजक आधार पर अन्य आरोपी सभक पहचान कएल जा रहल अछि।
विधायकक कथित संलिप्तताक साक्ष्य भेटबाक दावा
पुलिसक अनुसार, जांचक क्रम मे विधायक अमित कुमार रानूक कथित संलिप्तता सं संबंधित किछु साक्ष्य सेहो भेटल अछि। पुलिस जमीन पर अवैध कब्जा करबाक कथित संगठित गिरोह आ प्रोटेक्शन गैंगक कोण सं सेहो मामिलाक जांच कए रहल अछि। एसएसपी कांतेश कुमार मिश्रा कहलनि जे जांच आगू बढ़ौलाक बाद बेलसंडक विधायकक सेहो संलिप्तता पाओल जा रहल अछि। हुनका विरुद्ध साक्ष्य उपलब्ध अछि। एहि कारणें हुनकर अहियापुर स्थित आवास पर छापेमारी कएल गेल, जतय किछु महत्वपूर्ण कागज बरामद भेल अछि। भू-माफिया सभक विरुद्ध कारबाइ जारी रहत।
विधायकक भाइ फरार, गिरफ्तारी लेल छापेमारी
लोजपा (रामविलास) विधायकक भाइ सोनू सिंह अखन फरार बताओल जा रहल छथि। हुनकर गिरफ्तारी लेल पुलिस लगातार विभिन्न ठाम पर छापेमारी कए रहल अछि। एहि मामिला मे आर्थिक गतिविधिक जांच लेल आर्थिक अपराध इकाई (ईओयू) कें सेहो पत्र पठेबाक तैयारी कएल जा रहल अछि।
हालांकि, पुलिस द्वारा लगाओल गेल आरोप पर विधायक अमित कुमार रानू दिस सं एखन धरि कोनो प्रतिक्रिया नहि आयल अछि। पुलिसक जांच पूरा भेलाक बादे मामिलाक वास्तविक स्थिति स्पष्ट भए सकत। बरामद कागजात आ अन्य साक्ष्यक आधार पर पुलिस आगांक कारबाइ मे जुटल अछि।