Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

 हर घर तिरंगा अभियान लेल दरभंगा मे निकलल भव्य तिरंगा यात्रा

Avatar
By Samadiya Mithila
August 12, 2026 2 Min Read
0

 

कर्पूरी चौक सं लोहिया चौक धरि निकलल यात्रा मे जनप्रतिनिधि लेलनि हिस्सा

 

 

दरभंगा, समदिया

 

कला, संस्कृति एवं युवा विभाग, बिहार आ जिला प्रशासन, दरभंगाक संयुक्त तत्वावधान मे हर घर तिरंगा अभियानक अंतर्गत बुधदिन शहर मे भव्य तिरंगा यात्राक आयोजन कएल गेल। यात्रा मे पैघ संख्या मे जनप्रतिनिधि, पदाधिकारी, युवा आ आम नागरिक हाथ मे राष्ट्रध्वज लए शामिल भेलाह। पूरा बाट मे देशभक्ति आ राष्ट्रप्रेमक वातावरण बनल रहल। कार्यक्रमक शुरुआत कर्पूरी चौक स्थित जननायक कर्पूरी ठाकुरक प्रतिमापर माल्यार्पणक संग भेल। तकर बाद कर्पूरी चौक सं तिरंगा यात्रा प्रारंभ भए बेंता चौक, लहेरियासराय टावर होइत लोहिया चौक पहुंचल। लहेरियासराय टावर स्थित महात्मा गांधीजीक प्रतिमापर पुष्पांजलि अर्पित कएल गेल। लोहिया चौकपर संबोधनक बाद कार्यक्रमक समापन भेल। कार्यक्रमक शुभारंभ राष्ट्रीय गीत आ राष्ट्रगान सं आ समापन बिहार गीतक संग कएल गेल। एहि अवसर पर पथ निर्माण विभाग, बिहार सरकारक मंत्री सह दरभंगाक प्रभारी मंत्री कुमार शैलेंद्र कहलनि जे देश कें आजाद कराबय मे हजारो स्वतंत्रता सेनानी आ सैनिक अपन सर्वस्व न्योछावर कए देने छलाह। हुनक त्याग आ बलिदानक कारण आइ देशवासी स्वतंत्र भारत मे राष्ट्रीय ध्वज कें गर्वक संग फहरा रहल छथि। देशभरि मे करोड़ो लोकक तिरंगा यात्रा मे सहभागिता राष्ट्रप्रेम आ राष्ट्रीय एकताक भावना कें प्रदर्शित करैत अछि। नगर विधायक सह भाजपा प्रदेश अध्यक्ष संजय सरावगी कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक आह्वानक बाद हर घर तिरंगा अभियान व्यापक जनचेतनाक आंदोलनक रूप लए लेने अछि। ओ कहलनि जे हर घर तिरंगा, हर गाम तिरंगा, हर प्रतिष्ठान तिरंगा केर संदेश जन-जन धरि पहुंचेनाइ आवश्यक अछि। राष्ट्रीय पर्वक अवसर पर प्रत्येक नागरिक कें अपन घर आ प्रतिष्ठान पर तिरंगा फहरा कए राष्ट्रध्वजक प्रति सम्मान आ स्वाभिमानक भावना प्रकट करबाक चाही।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

कुमार शैलेंद्रजिला प्रशासनतिरंगा यात्रादरभंगादेशभक्तिबिहारराष्ट्रध्वजसंजय सरावगीस्वतंत्रता दिवसहर घर तिरंगा
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

सीबीएसई 12म सप्लीमेंट्री परीक्षा परिणाम घोषित, छात्र आधिकारिक वेबसाइट सं डाउनलोड करी मार्कशीट

Next

सम्राट कैबिनेट मे 10 महत्वपूर्ण प्रस्ताव पर मोहर, युवा रोजगार आ उच्च शिक्षा लेल पैघ निर्णय

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech