Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

सम्राट कैबिनेट मे 10 महत्वपूर्ण प्रस्ताव पर मोहर, युवा रोजगार आ उच्च शिक्षा लेल पैघ निर्णय

Avatar
By Samadiya Mithila
August 12, 2026 2 Min Read
0

 

पटना।

मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक अध्यक्षता मे बुधदिन भेल राज्य मंत्रिमंडलक बैठक मे युवा रोजगार आ उच्च शिक्षा सं जुड़ल कतेको महत्वपूर्ण निर्णय लेल गेल। मंत्रिमंडल कुल 10 प्रस्ताव सभ कें स्वीकृति प्रदान केलक।

एहि मे कुशल युवा कार्यक्रम कें आगांक पांच वर्ष धरि जारी राखबाक, निजी आईटीआई सभ मे संयुक्त प्रवेश व्यवस्थाक माध्यम सं नामांकन कराबबाक आ निजी बीएड कॉलेज सभ कें बहुविषयक डिग्री महाविद्यालयक रूप मे विकसित करबाक प्रस्ताव शामिल अछि।

सात निश्चय-3 केर निश्चय-1 ‘दोगुना रोजगार-दोगुनी आय’ अंतर्गत बिहार कौशल विकास मिशनक कुशल युवा कार्यक्रम कें वित्तीय वर्ष 2026-27 सं 2030-31 धरि विस्तार देल गेल अछि। योजना लागू करबाक लेल 2026-27 मे 430.0833 करोड़ रुपैयाक स्वीकृति देल गेल अछि।

सरकारक लक्ष्य युवा सभ कें बदलैत तकनीक आ उद्योग जगतक आवश्यकता अनुरूप रोजगारपरक बनायब अछि। आर्टिफिशियल इंटेलिजेंस आ डिजिटल क्षेत्र मे तेजी सं भए रहल बदलाव कें देखैत प्रशिक्षणक स्वरूप मे सेहो परिवर्तन कएल जाएत।

युवा सभ कें सोलर, ड्रोन तकनीक, नेटवर्किंग, होम नर्सिंग, मल्टी-स्किल्ड लैब तकनीशियन आ इमरजेंसी मेडिकल टेक्नीशियन सन क्षेत्र सभ मे प्रशिक्षण देल जाएत। एकरा अतिरिक्त ब्यूटी एवं वेलनेस, वेब इन्फॉर्मेशन टेक्नोलॉजी आ डिजिटल मार्केटिंग कें सेहो प्रशिक्षण सं जोड़ल जाएत।

सरकारक अनुसार कार्यक्रम अंतर्गत 6,436 प्रशिक्षण केंद्र संचालित कएल जाएत। एहि केंद्र सभ मे प्रत्येक वर्ष लगभग 2.57 लाख युवा सभ कें प्रशिक्षण देबाक लक्ष्य निर्धारित कएल गेल अछि।

प्रशिक्षणक बाद युवा सभ लेल नौकरीक संग-संग उद्यम शुरू करबाक अवसर सेहो बढ़त। सरकारक मानब अछि जे एहि सं युवा सभ स्वयं रोजगार प्राप्त करबाक संग दोसर लोक लेल सेहो रोजगारक अवसर सृजित कए सकताह।

कैबिनेट निजी आईटीआई सभ मे नामांकन व्यवस्था संबंधी महत्वपूर्ण निर्णय सेहो लेलक। निजी आईटीआईक 50 प्रतिशत सीट पर संयुक्त प्रवेश प्रक्रियाक माध्यम सं नामांकन कराबबाक प्रावधान कएल गेल अछि। एहि सं नामांकन प्रक्रिया आओर व्यवस्थित आ पारदर्शी बनत।

राष्ट्रीय शिक्षा नीति-2020 आ राष्ट्रीय अध्यापक शिक्षा परिषद (एनसीटीई) केर दिशा-निर्देश अनुरूप राज्य मे संचालित एकल निजी बीएड संस्थान सभ कें आब बहुविषयक डिग्री महाविद्यालयक रूप मे विकसित कएल जाएत। कैबिनेट एहि संबंधी प्रस्ताव कें स्वीकृति देलक अछि।

एहि निर्णयक बाद पात्र निजी शिक्षक शिक्षा संस्थान सभ मे बीएडक संग कला, विज्ञान आ वाणिज्य सहित अन्य स्नातक पाठ्यक्रम शुरू करबाक बाट खुलत। नव पाठ्यक्रम शुरू करबाक लेल संबंधित विश्वविद्यालय, यूजीसी, एनसीटीई आ राज्य सरकारक निर्धारित मानक आ आवश्यक स्वीकृतिक पालन करबाक होएत।

सरकारक मानब अछि जे एहि निर्णय सं विद्यार्थी सभ कें अपन जिला अथवा आसपासक क्षेत्र मे उच्च शिक्षाक आओर बेसी विकल्प उपलब्ध भेतनि। एकरा सं उच्च शिक्षा धरि पहुंच आसान होयत आ राज्यक सकल नामांकन अनुपात (जीईआर) बढ़ेबा मे सेहो सहायता भेटबाक आशा अछि।

कैबिनेटक निर्णय सभ मे युवा सभ कें रोजगारपरक कौशल प्रदान करबाक आ विद्यार्थी सभ लेल उच्च शिक्षाक विकल्प बढ़ेबाक विषय पर विशेष जोर देल गेल अछि। कुशल युवा कार्यक्रमक विस्तार सं पैघ संख्या मे युवा सभ कें आधुनिक तकनीक आधारित प्रशिक्षण भेटत, जखनकि निजी बीएड कॉलेज सभ कें बहुविषयक संस्थान मे विकसित करबाक निर्णय सं उच्च शिक्षाक दायरा आओर विस्तृत होएत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

आईटीआईउच्च शिक्षाकुशल युवा कार्यक्रमकौशल विकासबिहार कैबिनेटबिहार सरकारबीएड कॉलेजरोजगारशिक्षासम्राट चौधरी
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

 हर घर तिरंगा अभियान लेल दरभंगा मे निकलल भव्य तिरंगा यात्रा

Next

बीएनएमयूक अतिथि प्राध्यापक सभ कें 11 मास सं मानदेय नहि : आर्थिक संकट सं जूझि रहल छथि 200 शिक्षक

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech