- अपराधी काउंटर आ तिजोरी मे राखल गहना बैग मे भरि लेलक
बेगूसराय, समदिया
बेगूसराय जिलाक फुलवड़िया थाना क्षेत्रक फुलवड़िया बाजार मे शुक्रदिन दिन-देखाड़ बाइक सवार छह अपराधी एकटा गहना दोकान सं करीब 40 लाख टाकाक गहना लूटि लेलक। घटना करीब 1:45 बजे दिनक अछि। दू गोट बाइक पर सवार अपराधी हेलमेट आ मास्क पहिरने छल। ओ सभ करीब 15 राउंड गोली चलौलक, जाहि सं दोकानदार आ ग्राहक अपन जान बचा कए बाहर भागि गेलाह।
घटना मां पार्वती ज्वेलर्स मे भेल। दोकानदार भवेश कुमारक अनुसार, ओहि समय दोकान मे एकटा कर्मचारी आ बरौनी थाना क्षेत्रक सुनीता देवी सहित चारि-पांच गोट ग्राहक गहना देखि रहल छलाह। गोलीबारी शुरू होइतहि सभ कियो बाहर भागि गेलाह। दोकानदार बतौलनि जे अपराधी काउंटर आ तिजोरी मे राखल गहना बैग मे भरि लेलक। ओ सभ दोकान मे तोड़फोड़ सेहो कयलक। अपराधी करीब 200 ग्राम सोना, 2 किलो चानी आ गल्ला मे राखल 1 लाख टाका लूटि कए फरार भए गेलाह।
सूचना भेटिते फुलवड़िया थाना पुलिस आ तेघड़ा डीएसपी कृष्ण कुमार घटनास्थल पर पहुंचलाह। बाद मे एसपी मनीष सेहो पहुंचि जांच कयलनि। पुलिस घटनास्थल सं आधा दर्जन खोखा बरामद कयलक अछि आ दोकानक सीसीटीवी हार्ड डिस्क अपना संग लए गेल अछि। पुलिस लगपासक सीसीटीवी फुटेज देखि अपराधी सभक पहिचान करबाक प्रयास कए रहल अछि। प्रारंभिक जांचक अनुसार, घटनाक बाद अपराधी पिस्तौल लहरबैत पश्चिम दिस भागि गेल।