अहिल्या गौतम स्थान मंदिरक जीर्णोद्धार आ विकास कार्यक डीएम केलनि निरीक्षण
निर्धारित समय-सीमाक भीतर गुणवत्तापूर्ण कार्य पूरा करबाक देलनि निर्देश
दरभंगा, समदिया
जिलाधिकारी कौशल कुमार आइ जिलाक अहियारी गामस्थित अहिल्या गौतम स्थान मंदिर परिसरक निरीक्षण कए ओतय चलि रहल जीर्णोद्धार आ विकास कार्यसभक प्रगतिक विस्तृत जायजा लेलनि। निरीक्षणक दौरान जिलाधिकारी मंदिर परिसर मे चलि रहल जीर्णोद्धार आ निर्माण कार्य, पोखरिक सौंदर्यीकरण, चाहरदीवारी निर्माण तथा अन्य आधारभूत संरचनाक विकास कार्यसभक निरीक्षण कएलनि। हुनका संबंधित अभियंता सभ सं कार्यक वर्तमान स्थिति, प्रगति आ शेष बचल कार्यक संबंध मे विस्तृत जानकारी प्राप्त कएलनि।
जिलाधिकारी भवन निर्माण विभागक कार्यपालक अभियंता आ पर्यटन विभागक कार्यपालक अभियंता कें निर्देश देलनि जे सभ निर्माण आ सौंदर्यीकरण कार्य निर्धारित मानकक अनुरूप, उच्च गुणवत्ताक संग आ निर्धारित समय-सीमाक भीतर पूरा कएल जाए। निरीक्षणक क्रम मे जिलाधिकारी धर्मशालाक जीर्णोद्धार कार्यक सेहो निरीक्षण कएलनि। हुनका निर्देश देलनि जे धर्मशालाक जीर्णोद्धार एहन प्रकारें कएल जाए, जाहि सं श्रद्धालु सभ कें उत्तम आ सुविधाजनक वातावरण उपलब्ध भए सकए। जिलाधिकारी भवन निर्माण विभाग आ पर्यटन विभागक कार्यपालक अभियंता सभ कें सभ निर्माण आ विकास कार्यक नियमित निगरानी सुनिश्चित करबाक निर्देश सेहो देलनि। एहि अवसर पर सहायक समाहर्ता सुश्री कल्पना रावत, भवन निर्माण विभागक कार्यपालक अभियंता, पर्यटन विभागक कार्यपालक अभियंता तथा अन्य संबंधित अभियंता आ पदाधिकारी उपस्थित छलाह।
========================================================