केंद्रीय मंत्री सं सांसदक भेंट, दरभंगाक शहरी विकास योजना सभ शीघ्र पूरा करबाक आग्रह
- सांसद कहलनि जे दरभंगा मे 186.16 करोड़ टाकाक जलापूर्ति परियोजनाक स्वीकृति
दरभंगा, समदिया
दरभंगा सहित उत्तर बिहारक शहर सभ मे आधुनिक शहरी आधारभूत संरचनाक विकास लेल केंद्र सरकार प्रतिबद्ध अछि। एहि क्रम मे दरभंगा मे सीवरेज आ सेप्टेज प्रबंधनक माध्यम सं शहर कें स्वच्छ बनेबाक आ समग्र शहरी विकास कें गति देबाक दिशा मे ठोस पहल शुरू कएल गेल अछि। केंद्र सरकारक महत्वाकांक्षी अमृत-2.0 योजनाक अंतर्गत दरभंगा शहर मे शुद्ध पेयजल उपलब्ध कराबय लेल 186.16 करोड़ टाकाक जलापूर्ति परियोजना स्वीकृत भए गेल अछि आ निविदाक प्रक्रिया चलि रहल अछि। ई जानकारी स्थानीय सांसद तथा लोकसभा मे भाजपा सचेतक डॉ. गोपाल जी ठाकुर बृहस्पति कें केंद्रीय आवासन एवं शहरी कार्य मंत्री मनोहरलाल खट्टर सं हुनकर कार्यालय मे भेंट करबाक उपरांत देलनि।
भेंटक दौरान सांसद डॉ. ठाकुर दरभंगा शहर मे निर्माणाधीन परियोजना सभ कें शीघ्र पूरा करबाक, नव योजनाक स्वीकृति आ ओकर प्रभावी क्रियान्वयनक विषय मे विस्तृत चर्चा कएलनि। बैसार मे केंद्रीय मंत्री मनोहरलाल खट्टर दरभंगा नगर निगम क्षेत्र मे केंद्रीय आवासन एवं शहरी कार्य मंत्रालय द्वारा संचालित विभिन्न विकास योजनासभक प्रगतिक जानकारी सांसद कें देलनि। ओ कहलनि जे केंद्र सरकारक प्राथमिकता दरभंगासहित उत्तर बिहारक शहर सभ मे आधुनिक शहरी आधारभूत संरचनाक विकास करब अछि। एहि उद्देश्य सं अमृत-2.0 अंतर्गत 186.16 करोड़ टाकाक जलापूर्ति परियोजना स्वीकृत कएल गेल अछि आ एकर निविदा प्रक्रिया शुरू भए चुकल अछि। ओ कहलनि जे बिहार मे अमृत-2.0 योजनाक अंतर्गत जलापूर्ति, सीवरेज आ सेप्टेज प्रबंधन, जलाशय पुनरुद्धार, पार्क विकास आ अन्य शहरी विकास परियोजनासभक काज सेहो शीघ्र गति सं पूरा कएल जा रहल अछि। बैसार मे सांसद डॉ. गोपाल जी ठाकुर प्रधानमंत्री शहरी आवास योजनाक अंतर्गत पात्र परिवार सभ कें पक्का आवास उपलब्ध कराबय, प्रधानमंत्री स्वनिधि योजनाक माध्यम सं रेहड़ी-पटरी विक्रेता आ छोट व्यवसायी सभ कें सशक्त बनेबाक, स्वच्छ भारत मिशन अंतर्गत स्वच्छता आ ठोस अपशिष्ट प्रबंधन कें मजबूत करबाक तथा शहरी नागरिक सुविधाक विस्तारक विषय पर सेहो चर्चा कएलनि। सांसद कहलनि जे दरभंगा कमिश्नरी मुख्यालय होयबाक कारण शहर तीव्र गति सं विकसित भए रहल अछि। केंद्र सरकार विभिन्न शहरी विकास योजनाक माध्यम सं आम नागरिक सभ कें आधुनिक सुविधा उपलब्ध कराबय लेल संकल्पित अछि। डॉ. ठाकुर केंद्रीय मंत्री सं दरभंगाक स्वीकृत परियोजनासभक शीघ्र आ गुणवत्तापूर्ण क्रियान्वयन सुनिश्चित करबाक आग्रह कएलनि। ओ कहलनि जे दरभंगा कें आधुनिक, स्वच्छ, सुव्यवस्थित आ नागरिक सुविधा सं समृद्ध शहर बनेबाक दिशा मे तेजी सं पहल होमय, जाहि सं केंद्र सरकारक शहरी विकास योजनासभक प्रभावी क्रियान्वयन द्वारा दरभंगाक विकास कें नव गति भेटय आ शहर राष्ट्रीय स्तर पर अपन विशिष्ट पहचान स्थापित कए सकए।