हॉकी इंडिया जूनियर एशिया कप लेल भारतीय महिला टीमक घोषणा कएलक, शिलेइमा चानू बनली कप्तान
हॉकी इंडिया बृहस्पति कें एएचएफ जूनियर एशिया कप 2026 लेल भारतीय महिला टीमक घोषणा कएलक। ई टीम 30 अगस्त सं 13 सितंबर धरि चीन मे होमय बला टूर्नामेंट मे भाग लेत।
टीम मे 18 खेलाड़ीक अतिरिक्त 2 वैकल्पिक खेलाड़ी कें सेहो स्थान देल गेल अछि। टीमक अगुआई मिडफील्डर खाइदेम शिलेइमा चानू करताह। चानू नव मुख्य प्रशिक्षक टिम व्हाइटक देखरेख मे व्यापक तैयारी केने छथि। ओ एहि वर्षक शुरुआत मे सेहो भारतीय टीमक कप्तानी कए चुकल छथि।
महाद्वीपीय प्रतियोगिताक तैयारीक क्रम मे भारतीय टीम हालहि मे यूनाइटेड किंगडम (यूके)क एक्सपोजर दौरा सं घुरल अछि। एहि दौराक दौरान खेलाड़ी सभ कें अंतरराष्ट्रीय मोकाबलाक महत्वपूर्ण अनुभव भेटल आ कतेको आवश्यक बाति सीखबाक अवसर भेटल, जाहि सं जूनियर एशिया कप लेल टीमक तैयारी आरो मजबूत भेल अछि।
ई प्रतियोगिता एशियाक शीर्ष जूनियर टीम सभ कें एक मंच पर आनत आ महाद्वीपक नव प्रतिभाशाली हॉकी खेलाड़ी सभ लेल महत्वपूर्ण अवसर प्रदान करत। मैचक कार्यक्रम आ पूलक घोषणा प्रतियोगिता शुरू होएबा सं किछु दिन पहिने कएल जायत।
मुख्य प्रशिक्षक टिम व्हाइट कहलनि, “टीम मे स्थान बनेनिहार युवा खेलाड़ी सभक प्रतिबद्धता आ दृढ़ संकल्प पर हमरा गर्व अछि। विगत किछु मास मे ई सभ अपन खेलक प्रत्येक पक्ष कें नीक बनेबाक लेल बहुत मेहनत केने छथि। हम हुनका सभक व्यक्तिगत आ टीमक रूप मे निरंतर प्रगति देखल अछि।“
हुनका अनुसार, खेलाड़ी सभ एहि अवसरक पूरा लाभ उठाबथि आ एकरा अपन पैघ लक्ष्य दिस आगू बढ़बाक मजबूत आधार मानथि। टिम व्हाइट कहलनि, “ई प्रतियोगिता एशियाक सर्वश्रेष्ठ खेलाड़ी सभक विरुद्ध अपन क्षमता परखबाक आ आगूक लक्ष्य दिस बढ़बाक महत्वपूर्ण अवसर अछि। हम सभ प्रत्येक मोकाबला आत्मविश्वास आ अनुशासनक संग खेलब। हमरा पूरा विश्वास अछि जे एहि टीम मे देश कें गौरवान्वित करबाक प्रतिभा आ चरित्र दुनू अछि।“
जूनियर एशिया कप 2026 लेल भारतीय महिला टीम
गोलकीपर: निधि, एंगिल हर्षा रानी मिंज
डिफेंडर: पूजा साहू, सुप्रिया, पूजा मलिक, पार्वती टोपनो, मधु
मिडफील्डर: खाइदेम शिलेइमा चानू (कप्तान), तनुजा टोप्पो, बिनिमा धन, रोशनी आइंद, गीता यादव
फॉरवर्ड: लालरिनपुई, पूर्णिमा यादव, सुखवीर कौर, कृष्णा शर्मा, सनिका चंद्रकांत माने, मधु सिदार
वैकल्पिक खेलाड़ी: एफ लालबियाक्सियामी आ तनुश्री दिनेश कडू