Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

खेल

तन्वी शर्मा कोरिया मास्टर्सक क्वार्टर फाइनल मे पहुंचली, आब रक्षिता रामराज सं होयत मोकाबला

Avatar
By Samadiya Mithila
August 6, 2026 1 Min Read
0

 

भारतक 17 वर्षीय उभरैत बैडमिंटन खेलाड़ी तन्वी शर्मा शानदार प्रदर्शन जारी रखैत कोरिया मास्टर्स 2026क महिला एकल वर्गक क्वार्टर फाइनल मे स्थान बना लेलनि।

बृहस्पति कें खेलल गेल दोसर दौरक मोकाबला मे तन्वी अपनहि देशक श्रियांशी वालिशेट्टी कें 21-16, 17-21, 21-13 सं पराजित कएलनि। आब क्वार्टर फाइनल मे हुनकर सामना दोसर भारतीय खेलाड़ी रक्षिता श्री रामराज सं होयत। रक्षिता जापानक मानामी सुइजू कें 22-20, 21-10 सं हराकए आखरी आठ मे स्थान बना लेने छथि।

गत सप्ताह ताइपे ओपन सुपर-300क खिताब जीतिकए इतिहास रचनिहार तन्वी शर्मा एक बेर फेर अपन संघर्षपूर्ण खेलक परिचय देलनि। एहि मास भारत मे होमय बला बीडब्ल्यूएफ विश्व बैडमिंटन चैंपियनशिप सं पहिने लगातार जीत दर्ज कए ओ अपन दावेदारी आरो मजबूत केने छथि।

ऑल इंडिया मोकाबलाक पहिल गेम मे तन्वीक शुरुआत नीक नहि रहल। शुरुआती अंक मे ओ पाछां चलि रहल छलीह। मुदा तेज मूवमेंट आ आक्रामक स्ट्रोकक बल पर शानदार वापसी करैत लगातार महत्वपूर्ण अंक जुटौलनि आ पहिल गेम 21-16 सं अपन नाम कएलनि।

दोसर गेम मे श्रियांशी वालिशेट्टी दमदार वापसी कएलनि। मध्यांतर धरि ओ 11-6क बढ़त बना लेने छलीह आ लगातार आक्रामक खेल देखौलनि। तन्वी बीच मे भेद कम करबाक प्रयास कएलनि, मुदा श्रियांशी संयम बनौने रखैत दोसर गेम 21-17 सं जीतिकए मोकाबला निर्णायक गेम धरि पहुंचा देलनि।

निर्णायक गेम मे तन्वी शुरूआत सं अंत धरि हावी रहलीह। ओ प्रारंभहि सं बढ़त बना लेलनि आ पूरा गेम मे श्रियांशी कें वापसीक कोनो अवसर नहि देलनि। विश्व रैंकिंग मे 30म स्थान पर काबिज तन्वी शानदार नियंत्रणक संग तेसर गेम 21-13 सं जीतिकए क्वार्टर फाइनल मे अपन स्थान पक्का कए लेलनि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

तन्वी शर्मा
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

हॉकी इंडिया जूनियर एशिया कप लेल भारतीय महिला टीमक घोषणा कएलक, शिलेइमा चानू बनली कप्तान

Next

बांकीपुर जमानत जब्त भेल तं राजद जिला सं लए पंचायत स्तरक सब कमेटी केलक भंग

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • दुस्साहस! दरभंगाक मुरेठ मे महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा कएल गेल क्षतिग्रस्त, मिथिला मे आक्रोश
  • समुद्र मे भारतीय युद्धपोत सं टकरायल पाकिस्तानी नौसेनाक जहाज, भारत राजनयिक कें केलक तलब
  • स्वच्छ आ प्रदूषणमुक्त वातावरण लेल घोघरडीहा मे जागरूकता अभियान
  • 20 सितंबर धरि छाएल रहत बादल, हल्का सं मध्यम बारिशक संभावना; किसानक लेल जारी भेल कृषि सलाह
  • भवन निर्माण विभागक अधीक्षण अभियंताक घर विजिलेंसक छापा

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • दुस्साहस! दरभंगाक मुरेठ मे महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा कएल गेल क्षतिग्रस्त, मिथिला मे आक्रोश
  • समुद्र मे भारतीय युद्धपोत सं टकरायल पाकिस्तानी नौसेनाक जहाज, भारत राजनयिक कें केलक तलब
  • स्वच्छ आ प्रदूषणमुक्त वातावरण लेल घोघरडीहा मे जागरूकता अभियान
  • 20 सितंबर धरि छाएल रहत बादल, हल्का सं मध्यम बारिशक संभावना; किसानक लेल जारी भेल कृषि सलाह
  • भवन निर्माण विभागक अधीक्षण अभियंताक घर विजिलेंसक छापा

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech