Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

राजनीति

बांकीपुर जमानत जब्त भेल तं राजद जिला सं लए पंचायत स्तरक सब कमेटी केलक भंग

Avatar
By Samadiya Mithila
August 6, 2026 2 Min Read
0
  • बांकीपुर जमानत जब्त भेल तं राजद प्रदेश सं लए पंचायत स्तरक सब कमेटी केलक भंग
  • प्रदेश सं लए कए पंचायत धरि आब नव ढंग सं गठित कएल जायत कमेटी

पटना, समदिया

बांकीपुर विधानसभा उपचुनाव मे राष्ट्रीय जनता दल (राजद) कें भेटल पराजयक बाद पार्टीक भीतर व्यापक हलचल देखल जा रहल अछि। एहि क्रम मे राजद प्रदेश सं लए कए पंचायत स्तर धरिक सभटा सांगठनिक कमेटी आ प्रकोष्ठ कें भंग कए देलक अछि। आब मानल जा रहल अछि जे पार्टीक कार्यकारी अध्यक्ष तेजस्वी यादव नव टोलीक गठन कए संगठन कें फेर सं मजबूत करबाक प्रयास करताह।

ई निर्णय ओहि समय आयल अछि, जखन बांकीपुर उपचुनावक परिणाम कें लए राजद विधायक भाइ वीरेंद्र आ पार्टीक मुख्य प्रवक्ता शक्ति सिंह यादवक बीच सार्वजनिक रूप सं आरोप-प्रत्यारोप चलि रहल अछि। राजदक प्रदेश अध्यक्ष मंगनीलाल मंडल बृहस्पतिदिन आदेश जारी कए प्रदेश, जिला, प्रखंड आ पंचायत स्तरक सभटा सांगठनिक इकाइ कें भंग करबाक घोषणा केलनि। एकर अतिरिक्त पार्टीक सभटा प्रकोष्ठ सेहो तत्काल प्रभाव सं भंग कए देल गेल अछि।

हालहि मे संपन्न बांकीपुर विधानसभा उपचुनाव मे राजद प्रत्याशी रेखा गुप्ता कें मात्र लगभग 14 हजार मत प्राप्त भेल, जाहि सं हुनकर जमानत सेहो जप्त भए गेल। एहि उपचुनाव मे जन सुराज पार्टीक संस्थापक प्रशांत किशोर विजयी रहलाह, जखन कि भारतीय जनता पार्टी दोसर स्थान पर रहल। एकर पूर्व नवंबर 2025 मे संपन्न बिहार विधानसभा चुनाव मे सेहो राजद कें कसगर हारिक सामना करय पड़ल छल। ओहि चुनावक बाद बिहार विधानसभा मे पार्टीक विधायकसभक संख्या घटि कए मात्र 25 रहि गेल।

बांकीपुर उपचुनावक परिणाम घोषित भेलाक बाद राजदक भीतर मतभेद खुलि कए सामने आबि गेल। मनेरक विधायक भाइ वीरेंद्र हारिक कारण संगठनक कमजोरी बतबैत पार्टी नेतृत्वक किछु निकटवर्ती नेता सभ पर निशाना साधलनि। एहि पर प्रतिक्रिया दैत मुख्य प्रवक्ता शक्ति सिंह यादव प्रश्न उठौलनि जे पार्टी लेल भाइ वीरेंद्रक योगदान की रहल अछि।

एहि टिप्पणी सं आक्रोशित भए भाइ वीरेंद्र शक्ति सिंह यादव कें संयम रखबाक सलाह देलनि। ओ कहलनि जे आवश्यकता पड़ला पर ओ हुनकर समस्त गतिविधिक खुलासा सेहो कए सकैत छथि। उल्लेखनीय अछि जे बांकीपुर उपचुनाव सं पूर्व राजदक तत्कालीन प्रवक्ता मृत्युंजय तिवारी पार्टी छोड़ि भारतीय जनता पार्टी मे शामिल भए गेल छलाह। ओ आरोप लगौने छलाह जे पार्टी मे हुनका उपेक्षा आ अपमानक सामना करय पड़ल। हुनक कहब छल जे एहि विषय मे ओ कतेको बेर तेजस्वी यादव कें अवगत करौलनि, मुदा कोनो कारबाइ नहि भेल। राजनीतिक सूत्रक अनुसार, मृत्युंजय तिवारी शक्ति सिंह यादव सं सेहो असंतुष्ट छलाह।

सभटा कमेटी भंग भेलाक बाद राजनीतिक गलियारा मे चर्चा अछि जे तेजस्वी यादव आब प्रदेश सं लए कए पंचायत स्तर धरि नव संगठनक गठन करैत पार्टी कें फेर सं सशक्त करबाक अभियान आरंभ करताह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#BankipurByElection#BiharPolitics#TejashwiYadav#बिहारराजनीतिBankipurcommitteesRJDstate.the panchayat
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

तन्वी शर्मा कोरिया मास्टर्सक क्वार्टर फाइनल मे पहुंचली, आब रक्षिता रामराज सं होयत मोकाबला

Next

दीपक प्रकाश लेलनि एमएलसी पदक शपथ, मंत्री पद आब पूर्ण रूपें सुरक्षित

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • दुस्साहस! दरभंगाक मुरेठ मे महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा कएल गेल क्षतिग्रस्त, मिथिला मे आक्रोश
  • समुद्र मे भारतीय युद्धपोत सं टकरायल पाकिस्तानी नौसेनाक जहाज, भारत राजनयिक कें केलक तलब
  • स्वच्छ आ प्रदूषणमुक्त वातावरण लेल घोघरडीहा मे जागरूकता अभियान
  • 20 सितंबर धरि छाएल रहत बादल, हल्का सं मध्यम बारिशक संभावना; किसानक लेल जारी भेल कृषि सलाह
  • भवन निर्माण विभागक अधीक्षण अभियंताक घर विजिलेंसक छापा

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • दुस्साहस! दरभंगाक मुरेठ मे महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा कएल गेल क्षतिग्रस्त, मिथिला मे आक्रोश
  • समुद्र मे भारतीय युद्धपोत सं टकरायल पाकिस्तानी नौसेनाक जहाज, भारत राजनयिक कें केलक तलब
  • स्वच्छ आ प्रदूषणमुक्त वातावरण लेल घोघरडीहा मे जागरूकता अभियान
  • 20 सितंबर धरि छाएल रहत बादल, हल्का सं मध्यम बारिशक संभावना; किसानक लेल जारी भेल कृषि सलाह
  • भवन निर्माण विभागक अधीक्षण अभियंताक घर विजिलेंसक छापा

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech