Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

डीएमसीएच मे 2 दिन सं डॉक्टर सभक हड़ताल, 1 घंटा खुजल रजिस्ट्रेशन

Avatar
By Samadiya Mithila
September 25, 2026 2 Min Read
0

 

फेर पीजी डॉक्टर सभ बंद करौलनि

सुरक्षा-हॉस्टल सुधार सहित कतेको मांग

दरभंगा। डीएमसीएच के इमरजेंसी मे बुध राति करीब 11 बजे सं जारी चिकित्सक सभक हड़ताल शुक्रदिन सेहो जारी रहल। इमरजेंसी सेवा प्रभावित रहबाक कारण दरभंगा के अलावा मधुबनी, समस्तीपुर, सहरसा, सुपौल सहित आसपासक जिला आ नेपाल सं आबि रहल रोगी आ हुनकर परिजन सभके परेशानी भेल।

शुक्रदिन भोर डीएमसीएच के उपाधीक्षक डॉ. अमित कुमार झा के इमरजेंसी पहुंचलाक बाद ओपीडी आ इमरजेंसी के रजिस्ट्रेशन काउंटर पर रोगी सभक पर्ची कटब शुरू भेल, मुदा 1 घंटा बादे पीजी डॉक्टर सभ आबि फेर बंद करा देलनि।

अस्पताल सूत्रक अनुसार, मात्र 1 घंटा लेल सीनियर रेजिडेंट आ जूनियर रेजिडेंट चिकित्सक सभ रोगी सभक इलाज कयलनि। जखनकि पीजी डॉक्टर अपन मांग सभके लए आंदोलन कय रहल छथि। एहि बीच इमरजेंसी के बाहर दर्जनों डॉक्टर धरना पर बैसि नारेबाजी करैत रहलाह। डॉक्टर सभ सुरक्षा, रोगी सभक लेल नीक व्यवस्था आ चिकित्सक सभक हॉस्टलक स्थिति सुधार सहित कतेको मांग के लए प्रदर्शन कयलनि।

महिला परिजन सं विवादक बाद शुरू भेल आंदोलन

बुधदिन राति मधुबनी जिलाक पंडौल थाना क्षेत्रक मेघौल गाम निवासी शीला देवीक परिजन आ ड्यूटी पर तैनात पीजी डॉक्टरक बीच विवादक बाद स्थिति बिगड़ि गेल छल। एकर बाद डॉक्टर सभ काज बंद कय देलनि। डॉक्टर सभक आरोप अछि जे अस्पताल मे काज करय बला चिकित्सक सभक सुरक्षा के लए लगातार समस्या बनल अछि। हुनकर कहब अछि जे डॉक्टर सभक संग मारपीट आ दुर्व्यवहारक घटना होयबाक बावजूद सुरक्षा के लए ठोस व्यवस्था नहि कयल जा रहल अछि।

डॉक्टर सभक धरना स्थल पर ‘प्रशासन किएक अनजान अछि’, ‘डॉक्टर सेहो इंसान अछि, जान बचाबय बला के जान खतरा मे किएक’, ‘जे जीवन बचबैत छथि, हुनका सुरक्षा दिअ’, ‘हिंसा नहि, डॉक्टर के डराएब तं इलाज के कराएब’ सहित कतेको नारा लिखल तख्ती देखल गेल।

जीडीए अध्यक्ष कहलनि- मांग पूरा होयबा तक जारी रहत धरना

जीडीए अध्यक्ष डॉ. कुणाल कुमार झा कहलनि जे डॉक्टर सभक 2 प्रमुख मांग अछि। पहिल मांग रोगी सभक हित सं जुड़ल अछि। अस्पताल मे इलाजक दौरान जे कमी आ अव्यवस्था अछि, ओकरा दूर कयल जाए।

दोसर प्रमुख मांग चिकित्सक सभक सुरक्षा के लए अछि। ओ कहलनि जे जे सक्षम अधिकारी एहि मांग सभक समाधान क’ सकैत छथि, ओ डॉक्टर सभ सं वार्ता करथि आ मांग सभ पूरा करथि। एकरे बाद डॉक्टर सभ धरना समाप्त कए रोगी सभक इलाज मे पूरा तरहें वापस लौटताह।

ओ डीएमसीएच के चिकित्सक सभक हॉस्टलक स्थितिक मुद्दा सेहो उठौलनि। कहलनि जे हॉस्टल मे जल निकासी के समस्या अछि, छत सं पानि टपकैत अछि आ कतेको जगह छज्जा खसबाक स्थिति मे अछि। एहन माहौल मे डॉक्टर सभके रहबा मे परेशानी होइत अछि आ कहियो सेहो दुर्घटना भए सकैत अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

बिहारक डीजीपी विनय कुमार बनताह मुख्य सूचना आयुक्त, सम्राट-तेजस्वीक बैठक मे सहमति

Next

दरभंगा मे सड़क पर खसल विशाल गाछ: सुपौल-दरभंगा मुख्यपथ पर 1 किलोमीटर लंबा जाम, बरखा सं जड़ि भए गेल छल कमजोर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • मधेपुरा मे बीच सड़क पर छात्र कें गोली मारि हत्या
  • अबला कें सबल बनौनिहार छथि रहिकेश्वरी अष्टभुजी दुर्गा, दूर-दूर धरि पसरल अछि महिमा
  • बेगूसराय मे दिन-देखाड़ 40 लाखक गहनाक लूट, 15 राउंड फायरिंग
  • शराब तस्कर नहि, अपनहि टीमक गोली सं भेल सिपाहीक मृत्यु, महिला दारोगा सहित तीन हिरासत मे

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 09-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • मधेपुरा मे बीच सड़क पर छात्र कें गोली मारि हत्या
  • अबला कें सबल बनौनिहार छथि रहिकेश्वरी अष्टभुजी दुर्गा, दूर-दूर धरि पसरल अछि महिमा
  • बेगूसराय मे दिन-देखाड़ 40 लाखक गहनाक लूट, 15 राउंड फायरिंग
  • शराब तस्कर नहि, अपनहि टीमक गोली सं भेल सिपाहीक मृत्यु, महिला दारोगा सहित तीन हिरासत मे

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech