Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

दरभंगा मे सड़क पर खसल विशाल गाछ: सुपौल-दरभंगा मुख्यपथ पर 1 किलोमीटर लंबा जाम, बरखा सं जड़ि भए गेल छल कमजोर

Avatar
By Samadiya Mithila
September 25, 2026 2 Min Read
0

 

दरभंगा। दरभंगा मे पिछला 3 दिन सं बरखा भए रहल अछि। शुक्रदिन बरखा के बीच सुपौल-दरभंगा मुख्यपथ पर सिसौनी चौक लग एकटा विशाल गाछ खसि पड़ल। जाहि कारणे सड़क पर यातायात बाधित भए गेल। करीब 1 किलोमीटर सं बेसी लंबा जाम लागि गेल। बस, ट्रक, ऑटो आ बाइक सहित पैघ संख्या मे वाहन फंसि गेल।

स्थानीय लोक सभक अनुसार, गाछ बहुत पुरान आ विशाल छल। बरखा के कारण माटि भीजलाक बाद गाछ खसि पड़ल। एहि कारण सुपौल दिस सं दरभंगा आ दरभंगा दिस सं सुपौल जाय बला यात्री सभके बहुत देर धरि परेशानीक सामना करए पड़ल।

थाल मे पिछड़ल ऑटो, महिला खसली

जाम सं निकलबाक लेल एकटा ऑटो सड़कक किनार भीजल माटि सं होइत जा रहल छल। एहि दौरान ऑटो फिसलि गेल। ओहि पर बैसल महिला ऑटो सं खसि पड़ली। गाछ खसबाक सूचना स्थानीय लोक सभ बिरौल थाना पुलिस के देलनि।

बिरौल थानाध्यक्ष चंद्रमणि बतौलनि जे घटना के जानकारी भेटिते वन विभाग के सूचना देल गेल अछि। स्थानीय लोक सभक मदति सं गाछ काटि सड़क सं हटयबाक काज शुरू कराओल गेल। सड़क सं गाछ हटलाक बादे मुख्य मार्ग पर यातायात सामान्य होयबाक आशा अछि।

स्थानीय लोक सभ प्रशासन सं सुपौल-दरभंगा मुख्यपथक किनार लागल सुखल आ जर्जर गाछ सभक सर्वेक्षण कए ओकरा हटयबाक मांग कयलनि।

दरभंगा शहर मे जगह-जगह जलजमाव

जिलाक सभ 18 प्रखंड मे पिछला 3 दिन सं लगातार भए रहल बरखा के कारण कतेको जगह जलजमावक स्थिति बनि गेल अछि। दरभंगा शहर मे सेहो जगह-जगह सड़क पर पानि जमा भए गेल अछि। कतेको इलाका मे लोक सभके पानिक बीच सं गुजरए पड़ि रहल अछि।

किछु जगह पर जलजमाव के कारण लोक सभक फिसलि कए खसबाक स्थिति सेहो बनल अछि। सब सं खराब स्थिति डीएमसीएच परिसर मे अछि। इमरजेंसी वार्ड, शिशु रोग विभाग, मेडिसिन विभाग आ डीएमसी कॉलेज परिसरक कतेको हिस्सा मे पानि जमा अछि। मेडिसिन वार्डक आसपास घुटना भरि पानि जमा रहबाक कारण रोगी आ हुनकर परिजन सभके परेशानी भए रहल अछि।

एकर अलावा लक्ष्मीसागर, सैदनगर, वार्ड नंबर-37, डीआईजी कार्यालय, एमएल एकेडमी स्कूल, बेंता चौक, मेडिकल गली आ लहेरियासराय सं दोनार दिस जाय बला कतेको सड़क पर सेहो जलजमावक स्थिति बनल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

डीएमसीएच मे 2 दिन सं डॉक्टर सभक हड़ताल, 1 घंटा खुजल रजिस्ट्रेशन

Next

गयाजी मे पितृपक्षक मेलाक सीएम कयलनि शुरुआत: देश-विदेश सं पिंडदान लेल पहुंचताह श्रद्धालु

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech