Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

गयाजी मे पितृपक्षक मेलाक सीएम कयलनि शुरुआत: देश-विदेश सं पिंडदान लेल पहुंचताह श्रद्धालु

Avatar
By Samadiya Mithila
September 25, 2026 2 Min Read
0

 

2500 बेड बला टेंट सिटी, सुरक्षा मे 6000 जवान

गयाजी। मोक्षनगरी गयाजी मे आइ पितृपक्षक मेलाक शुरुआत भेल। बिहारक मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी पितृपक्ष मेला महासंगमक उद्घाटन कयलनि।

एहि अवसर पर सीएम कहलनि, ‘नीतीश कुमार समृद्ध बिहारक कल्पना कयने छलाह, सरकार ओही दिशा मे काज क’ रहल अछि। 2500 करोड़ रुपैयाक लागत सं एतय विष्णुपद कॉरिडोरक निर्माण कराओल जा रहल अछि। एहि मे केंद्र सरकार सेहो मदति करत। करीब 1000 करोड़ रुपैया सं औरंगाबाद होइत बोधगया के आगू फल्गू नदीक पानि पहुंचयबाक काज कयल जाएत।’

सब सं पहिने सीएम विष्णुपद मंदिर गेलाह। एतय ओ पूजा-अर्चना कयलनि आ गर्भगृह मे भगवान विष्णुक चरणचिह्नक दर्शन कयलनि। एकर बाद फल्गू नदी स्थित देवघाट के निरीक्षण कयलनि।

सीएम ओतय श्रद्धालु सभक लेल कयल गेल व्यवस्था सभ देखलनि। एहि दौरान प्रशासनिक अधिकारी सभक दिस सं मेलाक तैयारी सं जुड़ल जानकारी देल गेलनि।

पितृपक्षक दौरान विष्णुपद मंदिरक विशेष धार्मिक महत्व अछि। देशक अलग-अलग हिस्सा सं गयाजी आबय बला श्रद्धालु सभ पिंडदान आ तर्पणक संग विष्णुपद मंदिर मे दर्शन-पूजन करैत छथि।

समारोह मे बिहार सरकारक स्वास्थ्य मंत्री निशांत कुमार, प्रभारी मंत्री विजय कुमार सिन्हा, केंद्रीय मंत्री जीतन राम मांझी आ बेलागंज विधायक मनोरमा देवी सहित कतेको मंत्री, विधायक आ पार्टी नेता उपस्थित छलाह।

जिला प्रशासन आ पुलिस दिस सं मेलाक भव्य तैयारी कयल गेल अछि। देश-विदेश सं आबय बला लाखो पिंडदानि सभके देखैत प्रशासन एहि बेर पारंपरिक व्यवस्था संग डिजिटल सुविधा पर सेहो जोर देने अछि। 6000 सं बेसी पुलिस बल तैनात कयल गेल अछि। एहि मे अधिकारी सेहो शामिल छथि।

मेला महासंगमक शुरुआतक बाद मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी ऐतिहासिक गांधी मैदान स्थित टेंट सिटी पहुंचलाह। एतय ओ श्रद्धालु सभक ठहरबाक लेल कयल गेल व्यवस्था सभक निरीक्षण कयलनि। टेंट सिटी मे उपलब्ध सुविधा आ प्रशासनक तैयारीक जानकारी लेलनि।

गांधी मैदान मे बनाओल गेल टेंट सिटीक उद्देश्य मेला अवधि मे गयाजी आबय बला श्रद्धालु सभके रहबाक सुविधा उपलब्ध करायब अछि। प्रशासन दिस सं एतय श्रद्धालु सभक लेल आवश्यक बुनियादी सुविधा सभक व्यवस्था कयल गेल अछि। मुख्यमंत्रीक निरीक्षणक दौरान एहि व्यवस्था सभक जायजा लेल गेल।

25 सितंबर सं 10 अक्टूबर धरि चलत मेला

पितृपक्ष मेला 25 सितंबर सं 10 अक्टूबर धरि चलत। 17 दिन तक गयाजी मे देशक अलग-अलग हिस्सा सभक संग विदेश सं सेहो श्रद्धालु पहुंचताह। पिंडदानि सभक भीड़ के देखैत रहबाक, यातायात, सुरक्षा आ स्वास्थ्य के लए कतेको व्यवस्था कयल गेल अछि।

एहि बेर 2500 बेड बला टेंट सिटी तैयार कयल गेल अछि। श्रद्धालु सभक आवाजाही लेल 150 मुफ्त ई-रिक्शा सेहो चलाओल जाएत। एकर अलावा मेला क्षेत्र मे सुरक्षा के कड़ा व्यवस्था कयल गेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

दरभंगा मे सड़क पर खसल विशाल गाछ: सुपौल-दरभंगा मुख्यपथ पर 1 किलोमीटर लंबा जाम, बरखा सं जड़ि भए गेल छल कमजोर

Next

शनि धरि इस्तीफा दैथि ज्ञानेश कुमार, नहि तं 2 अक्टूबर सं होयत प्रदर्शन

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • बिहार मे ‘डस्टबिन घोटाला’? कचराक डिब्बा मे करोड़क खेल, हाई कोर्ट सरकार सं मांगलक जवाब
  • पंजाब सीएम भगवंत मानक कार्यालय पर सीबीआईक छापा
  • आपातकालीन स्थिति मे जनस्वास्थ्य खतरा प्रबंधन पर आशा कार्यकर्ताक प्रशिक्षण
  • सेवा सेतु शिविर मे समस्याक त्वरित समाधानक भरोसा : संजय सरावगी

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 07-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 03.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-10-2026
  • आजुक ई पेपर
      कृपया एतय क्लिक करी 30-09-2026
  • आजुक ई पेपर
        कृपया एतय क्लिक करी 29-09-2026
  • कृपया एतय क्लिक करी 28-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • बिहार मे ‘डस्टबिन घोटाला’? कचराक डिब्बा मे करोड़क खेल, हाई कोर्ट सरकार सं मांगलक जवाब
  • पंजाब सीएम भगवंत मानक कार्यालय पर सीबीआईक छापा
  • आपातकालीन स्थिति मे जनस्वास्थ्य खतरा प्रबंधन पर आशा कार्यकर्ताक प्रशिक्षण
  • सेवा सेतु शिविर मे समस्याक त्वरित समाधानक भरोसा : संजय सरावगी

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech