सम्राट चौधरीक बैसार सं निकलला अनंत सिंह कहलनि – अनुजक करैत रहब समर्थन
- बाहुबली विधायक कहलनि, चुनाव पर नहि भेल चर्चा
पटना, समदिया
मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक आवास पर शुक्रदिन आयोजित एनडीए विधानमंडल दलक बैसार मे जदयू विधायक अनंत सिंह आ विधान पार्षद नीरज कुमारक बीच सुलह नहि भए सकल। बैसार समाप्त भेलाक बाद मुख्यमंत्री आवास सं बाहर निकलिते अनंत सिंह फेर अपन पुरने तेवर मे देखेला। मोकामाक जदयू विधायक स्पष्ट कहलनि जे ओ अपन रुख पर कायम छथि आ विधान परिषद चुनाव मे अनुज सिंहक समर्थन करैत रहताह। अनुज सिंह पटना स्नातक विधान परिषद सीट पर प्रशांत किशोरक जन सुराज पार्टीक उम्मीदवार छथि।
पटना स्थित एक अणे मार्ग पर मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक आवास पर शुक्रदिन एनडीए विधानमंडल दलक बैसार बजाओल गेल छल। एहि मे भाजपा, जदयू, लोजपा (रामविलास), रालोमो आ हम – पांचो घटक दलक विधायक, विधान पार्षद आ सांसद शामिल भेलाह। बैसार मे मोकामाक विधायक अनंत सिंह आ पटना स्नातक सीट सं जदयू उम्मीदवार नीरज कुमार सेहो पहुंचल छलाह। एहि कारण दुनू नेताक बीच सुलह होयबाक अटकल लगाओल जा रहल छल। मुदा बैसारक बाद अनंत सिंहक बयान सं एहन कोनो संकेत नहि भेटल।
बैसार मे चुनाव पर चर्चा नहि भेल : अनंत सिंह
बैसार सं बाहर निकललाक बाद अनंत सिंह पत्रकार सभ सं बात कयलनि। ओ कहलनि जे ई बैसार चुनावक संबंध मे नहि छल। एहि मे चुनाव पर कोनो चर्चा नहि भेल। पार्टी मे बहुत रास काज रहैत अछि आ ओहि सभ विषय पर विचार-विमर्श करबाक लेल बैसार बजाओल गेल छल। एमएलसी चुनाव मे जन सुराजक उम्मीदवार अनुज सिंह कें समर्थन देबाक सवाल पर ओ कहलनि जे हुनकर रुख पहिने सं जे छल, से एखनो कायम अछि। ओ अनुज सिंहक समर्थन करताह। मुदा जदयू मंत्री जमा खानक कहब छलनि जे एनडीए विधानमंडल दलक बैसार मे विधान परिषद चुनाव सं जुड़ल सभ मुद्दा पर चर्चा भेल। ओ विश्वास व्यक्त कयलनि जे एनडीएक उम्मीदवार जीतताह आ सभ कार्यकर्ता हुनका सभक संग रहताह। अनंत सिंह कें मनेबाक सवाल पर जमा खान कहलनि जे ओ हुनकर भाइ छथि, हुनका मनेबाक की जरूरत अछि।
एनडीएक विरोध मे प्रचार करयबला पर कारबाइ : श्रवण कुमार
जदयू नेता आ मंत्री श्रवण कुमार कहलनि जे एनडीए विधानमंडल दलक बैसार मे सर्वसम्मति सं निर्णय लेल गेल जे गठबंधनक विरोध मे प्रचार करयबला लोकक विरुद्ध कारबाइ होयत। हुनकर अनुसार, मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी सेहो एहि संबंध मे अपन बात रखलनि। अनंत सिंहक विरुद्ध अनुशासनात्मक कारबाइ होयबाक संभावना पर श्रवण कुमार कहलनि जे जं ओ एहन बयान देताह, तं हुनका विरुद्ध कारबाइ कयल जा सकैत अछि।
नीरज कुमारक विरुद्ध अनंत सिंह, अनुज सिंहक समर्थन मे प्रचार
असल मे विधान परिषद चुनाव मे पटना स्नातक सीट सं वर्तमान विधान पार्षद आ जदयू उम्मीदवार नीरज कुमारक विरुद्ध अनंत सिंह मोर्चा खोलने छथि। ओ जन सुराज पार्टीक उम्मीदवार अनुज सिंहक समर्थन मे प्रचार कए रहल छथि। एहि मुद्दा पर अनंत सिंह आ नीरज कुमारक बीच किछु दिन पहिने तीखा बयानबाजी सेहो भेल छल। अनंत सिंहक एहि रुख सं जदयू आ एनडीए गठबंधनक भीतर असहज स्थिति बनल अछि। आब राजनीतिक हलका मे ई अटकल लगाओल जा रहल अछि जे जं अनंत सिंह अपन रुख नहि बदलैत छथि, तं पार्टी हुनका विरुद्ध अनुशासनात्मक कारबाइ कए सकैत अछि। हालांकि, एखन धरि एहि संबंध मे कोनो अंतिम निर्णयक आधिकारिक घोषणा नहि भेल अछि।