राष्ट्रीय कराटे चैंपियनशिप मे सहरसाक खेलाड़ी सभ जीतलनि स्वर्ण, रजत आ कांस्य पदक
सहरसा, समदिया
उत्तराखंडक हरिद्वार मे 1 सं 4 अक्टूबर धरि आयोजित 25म आइएसकेएफ राष्ट्रीय कराटे चैंपियनशिप 2026 आ अंतरराष्ट्रीय ब्लैक बेल्ट ग्रेडिंग मे ब्लैक बेल्ट वॉरियर्स कराटे इन्स्टिट्यूट, सहरसाक खेलाड़ी सभ शानदार प्रदर्शन कय जिलाक नाम रोशन कयलनि। प्रतियोगिताक कुमिते स्पर्धा मे शिवांश साहिल आ कैरव कश्यप स्वर्ण पदक जीतलनि। ओतहि, काता स्पर्धा मे शिवांश कांस्य आ कैरव रजत पदक हासिल कयलनि। एकर अतिरिक्त करणवीर सोनी आ कार्तिक शर्मा अंतरराष्ट्रीय ब्लैक बेल्ट ग्रेडिंग सफलतापूर्वक उत्तीर्ण कयलनि। दुनू खेलाड़ी रेफरी प्रशिक्षण पाठ्यक्रम सेहो पूरा कयलनि। आयोजन मे जापानक ग्रैंडमास्टर मासाहिरो मोतोमुटा आ शिहान दाइकी मिजुतानीक विशेष उपस्थिति रहल। खेलाड़ी सभ कें संस्थानक वरिष्ठ प्रशिक्षक सेन्सई रश्मि सोनी प्रशिक्षण आ मार्गदर्शन देलनि। ओ कहलनि जे संस्थानक उद्देश्य बच्चा सभ कें नीक प्रशिक्षण देलनि आ राष्ट्रीय तथा अंतरराष्ट्रीय प्रतियोगिता सभ लेल तैयार करब अछि। सहरसाक खेलाड़ीसभक एहि उपलब्धि सं संस्थान, अभिभावक आ खेलप्रेमी सभ मे खुशीक माहौल अछि।